spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिप्रशांत किशोर क' गिफ्तारी सँ बदलल बिहारक राजनीति हवा - PK जमानत...

प्रशांत किशोर क’ गिफ्तारी सँ बदलल बिहारक राजनीति हवा – PK जमानत लेबा सँ क’ रहला इनकार !

-

लहरि रूम (पटना) : जनसुराज पार्टी केर सूत्रधार प्रशांत किशोर उर्फ ​​पीके कें पटना पुलिस गिरफ्तार क’ लेलक अछि। पीके के समर्थक सभहक़ हंगामा के बाद हुनका मेडिकल जांचक लेल फतुहा ल’ गेल गेल। एकर बाद हुनका सिविल कोर्ट मे पेश करल गेल, जतय हुनका 25000 मुचलका पर कोर्ट सँ जमानत भेटलनि । मीडिया सूत्रक अनुसार पीके संग हुनकर 43 समर्थक गिरफ्तार कयल गेल आ 15 गाड़ी सेहो जब्त कायल गेल। ई कार्रवाई पटना मे हुनक विरोध आ धरनाप्रदर्शन के बाद कयल गेल अछि , प्रशासन जाहि ठाम PK केँ धरना देबाक लेल कहने छल ताहि ठाम ओ ओहि ठाम प्रदर्शन सँ करबा सँ इनकार क’ देलनि।

4 बजे भोररबा मे PK कें भेलनि गिरफ़्तारी

जनसुराज पार्टी केर संस्थापक प्रशांत किशोर बिहार मे बीपीएससी परीक्षा मे भेल गड़बड़ी के ल’ क’ पटना के गांधी मैदान मे अनशन पर छलाह। एम्हर पटना पुलिस आई सोमदिन भोररबा मे 4 बजे विरोध स्थल पर पहुंचि प्रशांत किशोर आओर हुनक समर्थक लोकनि सब केँ हिरासत मे ल’ लेलक। प्रशांत किशोर भयंकर जाड़ मे कम्बल ओढ़ी क’ सुतल छलाह। पटना पुलिस हुनका हिरासत मे ल’ क’ पटना एम्स ल’ गेल। जतय हुनक अनशन तोड़बाक प्रयास भेल मुदा प्रशांत किशोर मना क देलथि ।

अपन मैथिलक स्कूल

की प्रशांत किशोर जयता जेल ?
बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) के 70वीं पीटी परीक्षा रद्द करय के मांग करैत अनशन पर बैसल जनसुराज पार्टी केर संस्थापक प्रशांत किशोर के पटना पुलिस गिरफ्तार केलक अछि। प्राप्त जानकारी के अनुसार हुनका पटना सिविल कोर्ट स सशर्त जमानत देलक अछि। मुदा, जमानत पर हस्ताक्षर करबा सँ मना क’ देलथि। ओ निर्णय कयलनि अछि जे जेल जा क’ जेल मे आमरन अनशन जारी रखता ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts