spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिराष्ट्रीय ब्राह्मण महासभा झारखण्ड प्रदेश कें संयोजक बनला : शैलेश मिश्रा

राष्ट्रीय ब्राह्मण महासभा झारखण्ड प्रदेश कें संयोजक बनला : शैलेश मिश्रा

-

राष्ट्रीय ब्राह्मण महासभा झारखण्ड कें बैसार पुंदाग स्थित जगसुमन अपार्टमेंट, रांची मे संपन्न भेल। बैसार मे राष्ट्रीय संयोजक ई० आशुतोष कुमार कहलनि जे विगत दू दशक सँ लगातार बिहार, उत्तर प्रदेश, दिल्ली, महाराष्ट्र आदि मे राज्य मे संगठन सक्रीय अछि। बिहार कें प्रायः जिला आ प्रखंड मे पहुंच चुकल अछि। बिहार कें पाँचम कार्यकालक प्रदेश अध्यक्षक चुनाव 18 जनवरी क’ विद्यापति भवन पटना मे विधिवत सम्प्पन भेल। अहि पद पर तीन कार्यकालक लेल ई० झा , एक कार्यकाल (तेसर) कें लेल जितेंद्र मिश्रा अपन सेवा द’ चुकला अच्छी। एहि बेर ललित कुमार झा चयनित भेला अछि।


आजुक बैसार के अध्यक्षत डॉ० दीपक दुबे कयलनि। आब झारखण्ड मे विधिवत ब्राह्मण हेतु एकटा सशक्त संगठन कें अनिवार्य रूप सँ आवश्यकता अछि। अहि लेल क्रमशः प्रादेशिक, प्रमण्डलीय, जिला, प्रखंड आ ग्राम स्तर पर संयोजक, संगठन प्रभारी, सदस्यता प्रभारी, सर्वेक्षण प्रभारी आ सह संयोजक बनेला बाद सदस्यता अभियान प्रारम्भ कयल जायत। सदस्यता अभियान कें बाद ग्राम अध्यक्ष आ वार्ड अध्यक्ष कें चयन सदस्यगण करता।


अगिला चुनावी बैसार मे प्रखंड के लेल दू टा आओर जिला कार्यकारिणी कें लेल एकटा नामक चयन होयत। ग्राम/ वार्ड अपन- अपन कार्यकारणी के लेल समिति के गठन करता। सब ग्राम सं प्रखंड कार्यकारणी, प्रखंड अध्यक्ष आ जिला प्रतिनिधि आम सहमति सं जिला अध्यक्ष के चयन करता। जिला नगर सँ दस – दस टा नाम प्रदेश केँ कार्यकारणी के लेल प्रस्तावित कयल जायत जाहि मे प्रदेश अध्यक्ष कें चयन कराओल जायत। आजुक बैसार मे सर्वसम्मति सं प्रदेश सयोजन समिति कें गठन कयल गेल। जाहि कें नामक घोषणा धर्मेंद तिवारी कयलनि। प्रदेश संयोजक शैलेश मिश्रा, संगठन प्रभारी – स्वेता झा, सदस्यता प्रभारि – चन्द्रनाथ झा, सर्वेक्षण प्रभारी – सुशील ठाकुर आ सह संयोजक – अनूप दुबे बनला। आजुक बैसार हेतु सुरेश नारायण झा धन्यवाद ज्ञापित कयलनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts