तिरुवनंतपुरम/ लोकसभा चुनाव में भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) नीत राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (राजग) एहि आम चुनाव केरल पर विशेष ध्यान द रहल अछि। ओहिक मद्देनजर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी राज्यक अपन उम्मीदवारक पक्ष में समर्थन जुटाबे लेल मंगलवार कैं विशाल रोड शो कैलन्ह।
एक टा गप्प बता दिय कि केरल में भाजपा एखनधरि कोनो खास उपलब्धि प्राप्त नहिं कैलक अछि। प्रधानमंत्री मोदी के कार्यक्रम में विशाल भीड़ देखल गेल।
फूल-पत्ति सं सजल खुलल छत बला वाहन में मोदी ठाढ़ छलाह। खबरक अनुसार मोदी कोट्टामैदान अंचुविलाक्कु सं सुबह करीब 10ः45 मिनट पर रोड शो शुरू कैलन्ह। तकर बाद मोदी के काफिला शहर में हेड पोस्ट ऑफिस के तरफ बढ़ि गेल।
बता दी कि प्रधामनंत्री एत तमिलनाडु के कोयंबटूर सं पहुंचल छलाह। कार्यक्रम के दौरान खुलल छत बला वाहन में मोदी संगे, भाजपा के प्रदेश अध्यक्ष के. सुरेंद्रन आ राजग उम्मीदवार सी. कृष्णकुमार के साथ निवेदिता सुब्रमण्यम भी मौजूद छली।
जानकारी में राखू कि कृष्णकुमार पालक्कड़ निर्वाचन क्षेत्र और निवेदिता पोन्नानी सीट सं भाजपाक उम्मीदवार छथि। प्रचंड गर्मी के बावजूद भाजपा समर्थक संगे हजारों के संख्या में लोग फूल, माला, पार्टी के झंडा, मोदी के पोस्टर आ पार्टी के टोपी पहिरले ठाढ़ चलाह।