spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeराजनीतिबिहार मे NDA सीटक बंटवारा भेल पूर्ण, गठबंधन सं चिरागक नजदीक तँ...

बिहार मे NDA सीटक बंटवारा भेल पूर्ण, गठबंधन सं चिरागक नजदीक तँ पारस भेला दूर

-

पटना/ नयी दिल्ली/ राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन अर्थात एनडीए मे बिहारक 40 गोटक लोकसभा सीटक बंटवारा पूर्ण भऽ गेल। राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली स्थित भाजपाक केन्द्रीय कार्यालय मे बिहार भाजपा प्रभारी विनोद तावडे, बिहार भाजपाक अध्यक्ष सह प्रदेशक उपमुख्यमंत्री सम्राट चैधरी, राज्यसभा सांसद सह जदयूक राष्ट्रीय महासचिव संजय झा, लोजपाक बिहार प्रदेश अध्यक्ष राजू तिवारी सहित गोटेक नेताक उपस्थिति मे सीटक बंटवाराक एलान कयल गेल।

ऐहि बेर लोकसभा चुनाव में बिहार में भारतीय जनता पार्टी 17, जनता दल युनाइटेड 16, लोक जनशक्ति पार्टी 5, हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चा 1 आ राष्ट्रीय लोक मंच एक टा सीट पर चुनाव लड़त। भारतीय जनता पार्टी शिवहर सीट जदयूक लेल छोड़लक तँ दोसर दिस सीतामढ़ी सीट सेहो जदयू लग रहल। हालांकि ई अनुमान लगाओल जा रहल छल जे ई सीट भाजपाक खाता मे जायत मुदा एहन किछु नहि भऽ सकल।

हालांकि नवादा सीट भाजपा केँ खाता मे आयल, ई सीट पहिने लोजपा लग छल आ एहिठाम सँ सूरजभान सिंहक भाय चंदन सिंह सांसद छलाह। एहि संग ई तय भऽ गेल जे एनडीए मे चिराग रौशन भेलाह जखन कि पारस आम पाथर सिद्ध भऽ गेलाह। एहि घोषणाक संग चिराग आब अपन पिताक संसदीय क्षेत्र रहल हाजीपुर सँ हुंकार भरताह जखन कि एखन ई सीट हुनक पित्ती अर्थात पशुपति कुमार पारस लग छनि।

भाजपाः पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, मुजफ्फरपुर, मधुबनी, दरभंगा, बेगूसराय, अररिया, सारण, आरा, बक्सर, पटना साहिब, पाटलीपुत्र, औरंगाबाद, नवादा, महराजगंज, उजियारपुर आ सासाराम सीट पर अपन उम्मीदवारी देत।

जदयूः सीतामढ़ी, शिवहर, झंझारपुर, सुपौल, मधेपुरा, कटिहार, पूर्णया, किशनगंज, भागलपुर, मुंगेर, नलांदा, बांका, जहानाबाद, वाल्मिकीनगर, गोपालगंज आ सिवान सीट पर चुनाव लड़त।

लोजपाः समस्तीपुर, वैशाली, हाजीपुर, खगड़िया आ जमुइ सीट पर चुनाव लड़त। हम केँ खाता मे गया सुरक्षित सीट गेल जखन कि राष्ट्रीय लोक मंचक अध्यक्ष उपेन्द्र कुशवाहा काराकाट सीट सँ चुनाव लड़ताह। एहि बटवाड़ा सं असम्मानक आरोप लगा चिराग पासवानक कका पशुपति कुमार पारस एनडीए छोड़ि देलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts