spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि25 करोड़ क' यज्ञ : 15000 रुपया दक्षिणा लेल भेल हंगामा 2100...

25 करोड़ क’ यज्ञ : 15000 रुपया दक्षिणा लेल भेल हंगामा 2100 पुरोहित लोकनि निकलला सड़क पर …

-

दरभंगा : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे ,बिहार के दरभंगा के जगदीश नारायण ब्रह्माचार्य आश्रम मे आयोजित लक्ष चंडी आ अति महाविष्णु महायज्ञ क’ समापन उपरांत पुरोहित सबके द्वारा दक्षिणा नै भेटला पर हंगामा मचा देल गेल । 16 मार्च क’ यज्ञ समाप्त भेलाक बाद पंडित सब देर राति भोर करीब 2 बजे विरोध करय लगलाह। दरभंगा-मणिगाछी मुख्य सड़क के जाम क’ आश्रम के महंत के घर के बाहर खुब नारे बाजि कयलनि। पुरोहित सबहक आरोप अछि जे महंत बौआ सरकार हुनका सब के ठकने छथि। महंत कहैत छथि जे दक्षिणा सब पंडित के देल गेल अछि आ ओ सब वीडियो देख क’ जांच क’ रहल छथि। एहि यज्ञ क’ आयोजन के बिहार राज्यक सबसँ पैघ यज्ञ कहल जा रहल छल, जाहि पर करीब 25 करोड़ टका खर्च भेल।

15000 रुपया मानदेय देबाक भेल छल करार !

मीडिया सूत्र सँ जानकारी आबि रहल अछि लक्ष चंडी एवं अति महाविष्णु महायज्ञ के आयोजन हेतु देश भरिक योग्य 2100 पुरोहित के चयन साक्षात्कारक माध्यम सँ कयल गेल छल | 11 मंजिला हवन कुंड बनल। यज्ञ क’ अनुमानित लागत खर्च 25 करोड़ टका छल। पंडित आ आयोजन समिति के बीच लिखित समझौता भेल छल । एहि समझौता मे न्यूनतम 15 हजार टका क’ मानदेय के वादा कैल गेल छल। यज्ञ मे भाग लेबाक नियम कानून सेहो एहि समझौता मे उल्लेखित छल ।

दक्षिणा नहि भेटला पर हंगामा
यज्ञ पूरा भेलाक बाद राति मे करीब 2 बजे पुरोहित लोकनि अपन दक्षिणा नहि भेटला पर हंगामा करय लगलाह | दरभंगा-मणिगाछी मुख्य सड़क के जाम क’ आश्रम के मुख्य पुजारी बौआ सरकार के आवास के घेर लेने छला । पंडित लोकनि नारा उठबैत महंत पर धोखाधड़ीक आरोप लगौलनि। चित्रकूट (उत्तर प्रदेश) सँ आयल पंडित अमित मिश्रा बेनीपुर अनुमंडल अधिकारी (एसडीओ) कें फोन क’ शिकायत केलथि। ओ कहलनि जे “आश्रमक महंत हमर आचार्य हमरा सभकेँ पाइ नहि दऽ रहल छथि । आश्रमक सब लोक बिना कोनो पाइ देने गायब भ’ गेल छथि।” ओ आगू कहलनि जे ” कम सं कम समिति के सदस्य के एक बेर कहौथ जे की करय चाहति छथि। हम सब धार्मिक काज करय आयल छलहुं, धार्मिक अनुष्ठान संपन्न भ’ गेल अछि आब हम सब बिना कोनो भुगतान लेने जा सकैत छी।”

दक्षिणा के भुगतान करबाक दावा
एहि विषय पर महंत बौआ सरकार कहलनि जे यज्ञ मे आयल सब पंडित के दक्षिणा देल गेल अछि | हम सब सेहो आइ भोरे सँ वीडियो देख रहल छी। ओ आगू कहलनि जे हम जिला प्रशासन के सहयोग सँ यज्ञ केलहुं अछि। जिला प्रशासन सँ गप केलाक बाद किछु निष्कर्ष पर पहुंच सकब।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts