लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड मैथिली मंच, रांची के तत्वावधान मे आगामी 28,29 आ 30 मार्च 2025 क’ त्रिदिवसीय विद्यपति स्मृति पर्व रजत जयंती समारोह आयोजित होमय जा रहल अछि। काइल दिनाँक 26 मार्च पूर्वाह्न मे ‘हकार सह आमंत्रण’ हेतु सुसज्जित विद्यापति रथ समारोह के प्रचार- प्रसार हेतु प्रस्थान कयल जायत जे रांची नगर क्षेत्र विभिन्न मुहल्ला टोला मे तीन दिन तक भ्रमण करत। 28 मार्च क’ सर्वप्रथम प्रातः 9 बजे मंचक सदस्य लोकनि मिथिला के पारम्परिक परिधान धोती- कुर्ता मे विद्यापति दलान हरमू सँ पैदल चलि में रोड स्थित बाबा विद्यपति के मूर्ति पर माल्यार्पण क’ श्रद्धासुमन अर्पित करता। तदुपरांत विद्यापति दलान पर मंच के भवन मे कवि गोष्ठी, पुस्तक समीक्षा एवं साहित्यिक परिचर्चा के आयोजन होयत। जाहि मे ख्यातिप्राप्त विद्वान साहित्यकार कवि के उपस्थिति हेतनि। 29 आ 30 मार्च क’ सांस्कृतिक समारोह के आयोजन रांची के ऐतिहासिक मैदान हरमू मैदान मे होयत। जाहि मे अनेक माननीय एवं गणमान्य के आबय के स्वीकृति भेटल अछि। अनेक तरहक स्टॉल के माध्यम सँ सरकारी एवं उद्यमी द्वारा हुनक कुशलता के प्रदर्शन होयत। खान पान के स्टॉल सेहो लगाओल जायत जाहि मे माँछ- भात,दही -चुरा एवं मखानक खीरक आ अन्य व्यंजनक स्टॉल लगाओल जायत।

29 मार्च के सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजनक मुख्य अतिथि वर्तमान झारखण्ड सरकार के मुखिया मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन रहता संगहि विशिष्ट अतिथि स्वरूप राज्यसभा सांसद दीपक प्रकाश, हटिया विधायक नवीन जयसवाल एवं पूर्व रांची नगर निगम वार्ड 26 के पार्षद अरुण कुमार झा संग अनेको गणमान्य उपस्थित रहता। रजत जयंती के अवसर पर समाजक 25 विशिष्ट व्यक्तित्व के मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन के द्वारा सम्मानित कयल जायत। संगहि मंचक स्थापना काल के प्रथम कार्यकारिणी सदस्य के सेहो सम्मानित कयल जायत। 29 मार्च क’ हरमू मैदान के मंच सँ स्मारिका के लोकार्पण सेहो कयल जायत।

30 मार्च क’ उद्घाटनकर्ता के रूप मे मुख्यअतिथि के रूप झारखण्ड राज्य के महामहिम राज्यपाल , पूर्व मुख्यमंत्री रघुवर दास , केंद्रीय रक्षा राज्यमंत्री सह रांची सांसद संजय सेठ संग अनेको गणमान्य अतिथि उपस्थित रहता।

लोकप्रिय कलाकार लोकनिक हेतनि उपस्थिति
मैथिली स्वर कोकिला रंजना झा एवं हुनक 2 दर्जन सँ बेसी टीमक सदस्य लोकनिक द्वारा विद्यापति रचित गीतक गायन ,लोक गीत संगहि लोक नृत्य झिझिया , डोमकछ के अलग अलग विधा के नृत्य के माध्यम सँ प्रस्तुति होयत। एहि के अलावा दिल्ली सँ निखिल महादेव झा एवं सोनी झा, गोहाई सँ डाली तालुपदार, जमशेदपुर सँ मिथिलेश कुमार मिश्र संग स्थानीय कलाकार लोकनिक गीत आ अभिनय के प्रस्तुति होयत।
आजुक प्रेसवार्ता मे मुख्यरूप सँ संरक्षक अरुण कुमार झा, अध्यक्ष विनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, ब्रज किशोर झा, प्रेम चंद्र झा, रणधीर झा, ब्रज कुमार झा, बदरी नाथ झा एवं कौशल किशोर झा संग अनेको गणमान्य उपस्थित छला।