spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeब्लॉगराष्ट्रगान आ जय जय भैरवि.....गीत सँ शुभारम्भ भेल झारखण्ड मैथिली मंच,रांची के...

राष्ट्रगान आ जय जय भैरवि…..गीत सँ शुभारम्भ भेल झारखण्ड मैथिली मंच,रांची के दोसर दिनक कार्यक्रम

-

लहरि रूम (रांची):झारखंड मैथिली मंच, रांची के तत्वावधान मे आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व के त्रिदिवसीय रजत जयंती समारोह के दोसर दिन हरमू मैदान मे संध्या 7 बजे कार्यक्रमक शुभारम्भ भेल । मिथिला परम्परा के अनुसार सबसँ पहिने भगवती वंदना जय जय भैरवी असुर भयावनि…….. गीत गाओल गेल, तकर बाद बबिता झा, सोनी चौधरी, डॉली तालुपदार, निखिल महादेव झा मिथिलेश कुमार मिश्र के समूह द्वारा राष्ट्रगान जन-गण- मंगल……. गीत के प्रस्तुति कयल गेल | कार्यक्रम मे मुख्य अतिथि के रूप मे उपस्थित ग्रामीण विकास मंत्री दीपिका पाण्डेय सिंह द्वारा दीप प्रज्वलित क’ कार्यक्रम के आधिकारिक उद्घाटन कयल गेल | विशिष्ट अतिथि नवीन जायसवाल विधायक हटिया विधान सभा, कृपा नंद झा, सचिव कल्याण सहित अन्य गणमान्य लोग मंच पर उपस्थित छला | अध्यक्ष बिनय कुमार झा, स्वागत वक्ता कृपा नंद झा, विशेष वक्ता डॉ. विद्यानाथ झा विदित, अपन विचार व्यक्त केलनि। महासचिव जयंत कुमार झा अपन प्रतिवेदन मे सरकार सँ मैथिली भाषा क’ सम्मान देबाक मांग कयलनि । माननीय विधायक शुभकामना दैत कार्यक्रमक सफलताक प्रार्थना केलनि। मंत्री श्रीमती दीपिका पाण्डेय सिंह अपन संबोधन मे कहलनि जे हम अहाँक मांग सरकारक प्रमुख माननीय मुख्यमंत्री धरि पहुँचा देब। रजत जयंती वर्ष के अवसर पर 25 विशिष्ट व्यक्ति के माननीय मंत्री द्वारा समाज के लिए उत्कृष्ट योगदान के लेल सम्मानित कयल गेल |एकर अतिरिक्त झारखंड मैथिली मंच के स्थापना के पहिल कार्यकारिणी सदस्य के सेहो सम्मानित कयल गेल। संगहि श्री आदित्यनाथ मिश्र के सौजन्य सँ दू टा तेजस्वी बच्चा के 7500/- नकद एवं सम्मान पुरस्कार देल गेल ।

तत्पश्चात समूह नृत्य के संग एस आर डी ए वी पुंडाग के छात्र सबके द्वारा गणेश वंदना के मनमोहक प्रस्तुति भेल | पुनः ओही विद्यालय के छात्र द्वारा दुर्गा भवानी के स्तुति सँ शुरू भ’ साल भरिक मिथिला के पाबनि के विभिन्न गीत के अंश के एक गीत आकर्षक नृत्य के मिश्रण प्रस्तुति दर्शक के मंत्रमुग्ध क’ देलक। तखन गीतक दौर शुरू भेल, एहि श्रृंखला मे प्रोफेसर आनंद कुमार ठाकुर गामक ग्रामीण परिवेश केँ समेटने मिथिला वर्णन गीत चले चलु मिथिला गाबि दर्शक केँ गामक स्मरण करौलनि। तखन जगदम्बा अहि अबलम हमर वातावरण भक्तिपूर्ण बना देलक।

दोसर सत्र मे एकटा रंगीन सांस्कृतिक महाकुंभ शुरू भेल जाहि मे पटना सँ श्रीमती रंजना झाक टीम द्वारा विभिन्न विधा जेना गीत, लोकगीत, झिझिया, जट्टिन नृत्य आदि मे आकर्षक प्रस्तुति देल गेल।एकर अतिरिक्त दिल्ली सँ निखिल महादेव झा आ सोनी चौधरी, गुवाहाटी सँ श्रीमती डॉली तालुपदार, श्री मिथिलेश कुमार मिश्रा जमशेदपुर आदि विभिन्न विधा मे गीतक आकर्षक प्रस्तुति दैत दर्शक केँ नृत्य करबा लेल बाध्य केलक ।
धन्यवाद ज्ञापन श्री मोहन झा ‘पड़ोसी’ आ मंच संचालन भरतेन्दु कुमार झा कयल गेल जे देर राति धरि दर्शक के व्यस्त रखलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts