spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिआर्थिक खबर/सेंसेक्स में पैघ घटाव, 1500 अंक नीचाँ, 75,900 पर कारोबार क’...

आर्थिक खबर/सेंसेक्स में पैघ घटाव, 1500 अंक नीचाँ, 75,900 पर कारोबार क’ रहल अछि, आ निफ्टी लुढइक कऽ 350 अंक पर चलि गेल

-

मुंबई/ वित्त वर्ष 2025-26 क‘ पहिल कारोबारिक दिन आज यानी मंगलदिन (1 अप्रैल) कऽ शेयर बाजार मे पैघ घटाव देखल गेल। खबर लेखनक समय धरिक सेंसेक्स 1500 अंक (करीब 2 प्रतिशत) सँ बेसी घटि 75,900 केर स्तर पर कारोबार क’ रहल छल। प्रेक्षकोंक मनी तऽ ई और निंचा जायत।

सेंसेक्स म‘ ई सालक सबसँ पैघ गिरावट अछि। एकरा पहिने सेंसेक्स मे 28 फरवरी कऽ 1414 (1.90 प्रतिशत) अंकक गिरावट रहल। निफ्टी मे सेहो करीब 350 अंक (करीब 1.5 प्रतिशत) कऽ गिरावट अछि, ई 23,200 कऽ स्तर पर कारोबार कऽ रहल अछि।सेंसेक्सक 30 शेयर मे सँ 29 मे गिरावट अछि। एचडीएफसी बैंक, सनफार्मा, एचसीएल टेक, इंफोसिस आ बजाज फिनसर्व मे करीब 3 प्रतिशत कऽ गिरावट अछि। निफ्टीक 50 शेयर मे सँ 40 मे गिरावट अछि। सेक्टोर इंडाइसेज कऽ बात करी तऽ सभसँ बेसी गिरावट रियल्टी मे 3 प्रतिशत, आईटी मे 2.39 प्रतिशत आ फार्मा मे 1.91 प्रतिशत अछि।

एशियाई बजारमे जापानक निक्केई 0.58 प्रतिशत, हॉन्गकॉन्गक हैंगसेंग इंडेक्स 0.96 प्रतिशत आ चीनक शंघाई कम्पोजिट 0.43 प्रतिशत बढ़ल अछि। 28 मार्च केँ अमेरिका केर डाओ जोंस 1 प्रतिशत बढ़िकए 42,001 पर बंद भेल। नैस्डेक कंपोजिटमे 0.14 प्रतिशतक गिरावट देल गेल जबिक एसएंडपी 500 इंडेक्स 0.55 प्रतिशत बढ़िकए बंद भेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts