लहरि रूम (रांची) : झारखंड मैथिली मंच द्वारा त्रिदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व रजत जयंति समारोह 28 29 आ 30 मार्च 2025 क’ आयोजित भेल छल। अहि समरोह मे रांची के पुंदाग स्थित SR DAV के छात्रा लोकनिक द्वारा भव्य भाव नृत्य के प्रस्तुति कयल गेल। प्रथम नृत्य गणेश जिक वंदना आओर दोसर मिथिला संस्कृति के सम्पूर्ण साल भरिक लोक पर्वक दृश्य के प्रस्तुति नृत्य के माध्यम सँ भेल। हिनक नृत्य के प्रदर्शन के खूब प्रशंसा भेटलनि। मंचक आ विद्यालय के जानकारी के अनुसार अहि नृत्य मंडली मे बहुत कम मैथिलक बच्चा रहथि। एहि कारण सँ इ बात लिखबा मे कोनो अतिश्योक्ति नहि गीत- संगीत- नृत्य के अपन अलग भाषा थिक।

आइ 4 अप्रैल शुक्र दिन प्रातः 11 बजे SR DAV पुंदाग, रांची के प्रांगण मे झारखण्ड मैथिली मंच के प्रतिनिधी मंडल के द्वारा समारोह आयोजित क’ समस्त छात्रा (नृत्य मे प्रस्तुति देनिहार) आ मागर्दर्शक (ट्रेनर) लोकनि के स्मृति चिन्ह आ प्रमाण पत्र द’ सम्मानित कयल गेल। सम्मान भेटलाक उपरांत सब छात्रा लोकनि के उत्साह आ प्रश्नता के भाव देखल गेल । एहि अवसर पर विद्यालय के प्राचार्य श्री संजीत कुमार मिश्र आ साथी शिक्षक लोकनि एहि कदम के गदगद भ’ अहि प्रयास के सराहना केलनि । बच्चा सब भविष्य मे आगू के तैयारी के संग नृत्य आदि विभिन्न रूप मे आकर्षक प्रस्तुति देबय के इच्छा व्यक्त केलनि। अहि अवसर पर झारखंड मैथिली मंच के उपाध्यक्ष नंद किशोर महतो, महासचिव जयंत कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, ब्रज किशोर झा, मोहन झा पड़ोसी, ब्रज कुमार झा, नरेश झा, रणधीर झा उपस्थित छला |

पुरस्कार प्राप्तकर्ता मे हिमांशी झा, शिल्पा सिंह, हिमा जैन, आशा ममता कुजूर उत्कृष्ट निर्देशन के लेल , एवं बालिका छात्रा मे आयुष द्विवेदी, प्रतिमा कुमारी, वंशिका सिंह, अंजली कुमारी, श्रुति मिश्रा, पलक कुमारी, रूपसा राय वर्धन, दीपिका सिंह, पलक कुमारी, एन्जल कुमारी, अनुश्री कुमारी, कोमल कुमारी, अनीशा कुमारी, अलका कुमारी, स्वस्ति साहू, अभिलाशा मिश्र, रक्षा सिन्हा, पाखी छेत्री, आराध्य राज, रिद्धि यादव, आराध्या कृति, काव्य सिंह आ इट छल नव्या तिवारी। अंत मे प्राचार्य झारखंड मैथिली मंच के प्रति आभार व्यक्त करैत हुनका सब के धन्यवाद देलखिन।
