लहरि रूम (रांची) : जिला के हरमू हाउसिंग कॉलोनी स्थित श्री शिव शक्ति मंदिर त्रिलोकेश्वर धाम मे आयोजित नौ देवी -देवता के प्राण प्रतिष्ठा हेतु पञ्च दिवसीय महायज्ञ भ’ रहल अछि आइ अहि महायज्ञ के दोसर दिन प्रातः 9 बजे सँ संध्या 7 बजे तक, बेदी स्थान, अग्नि स्थान, परिक्रमा अन्नधिवास, यज्ञ आचार्य आ यजमानक सानिध्य मे घृताधिव आ गांधाधिव संस्कार कयल गेल | आजुक संस्कार मे जहिना अति दिव्य आ अलौकिक अग्नियंत्र सँ अग्नि प्रज्वलित भेल तहिना सम्पूर्ण यज्ञक्षेत्र भक्तिमय भ गेल आ अग्नि देवक जप सँ गुंजायमान भ’ गेल |

अग्नियंत्र सँ अग्नि प्रज्वलित करबाक प्रक्रिया पर अपन प्रतिक्रिया व्यक्त करैत यज्ञाचार्य एन. पुरोहित कहलनि जे अग्नि के उत्पत्ति अहरनी, पीपल स्तम्भ आ शम्मी के गोला के माध्यम सँ होइत अछि आ सप्तजिह्वा अग्नि के प्रकट करबाक हेतु अग्नि सुप्तम के पाठ कयल जाइत अछि | यज्ञ कुंड मे अग्नि प्रज्ज्वलित भेला उपरांत यज्ञ कुंड मे हवन करला सँ पर्यावरण शुद्ध होयत अछि आ , सब रोग आ व्याधि के नाश होयत अछि आ आशीर्वाद प्राप्त होयत अछि । एहि अवसर पर अध्यक्ष रिंकू वर्मा कहलनि जे, समस्त मंदिर समिति के लोक के प्रयास के कारण महायज्ञ के भव्यता आ दिव्यता के देखय वाला भक्त के लंबा कतार लागल अछि। यज्ञ 8 अप्रैल 2025 सँ 12 अप्रैल 2025 तक चलत।
