spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिरांची मे आयोजित भेल IFA के एयर शो

रांची मे आयोजित भेल IFA के एयर शो

-

लहरि रूम (रांची) : भारतीय वायुसेना द्वारा रांची मे आइ अपन प्रदर्शन सँ रांची मे रहनिहार लोकनिक लेल ऐतिहासिक बनि गेल । आइ झारखण्ड के राजधानी रांची के खोजा टोली, नामकुम के मैदान मे भारतीय वायुसेना द्वारा एयर शो आयोजित छल जाहि मे वायुसेना प्रमुख ए.पी.सिंह जी स्वयं उपस्थित छला। Suryakiran Aerobatic Team के द्वारा अद्भुत आ अविस्मरणीय कौशल के प्रदर्शन कयल गेल । वायुसेना आम जनता के दिमाग मे अमिट छाप छोड़लक । भारी संख्या मे रांची के लोक जे उत्साह सँ वायुसेना के प्रदर्शन के आनंद लेला आओर खूब प्रशंसा कयलनि। रांची जिला के ओरमांझी क्षेत्र मे Culcutta Public School के स्कूल प्रबंधन के माध्यम सँ ओहि स्कूल के छात्र एवं छात्रा लोकनि सेहो अहि AIR SHOW के आनंद लेलनि।

अहि अवसर पर केंद्रीय रक्षा राज्य मंत्री सह रांची जिला के सांसद संजय सेठ कहला
“सबसँ पहिने भगवान बिरसा मुंडा के भूमि पर चीफ ऑफ एयर स्टाफ एयर चीफ मार्शल ए.पी. हमरा सभक सौभाग्य अछि जे ओ अपन उपस्थिति सँ एहि पवित्र माटिक शोभा बढ़ौलनि ।Suryakiran Aerobatic Team के द्वारा प्रस्तुत एयरशो एकटा असाधारण दृश्य छल। हम जिला प्रशासन आ पुलिस अधिकारी के सेहो धन्यवाद देबय चाहब जे उत्कृष्ट व्यवस्था केलनि।”

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts