spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिमिथिला के संस्कृति के संरक्षण करबाक संकल्प के संग 20 अप्रैल क'...

मिथिला के संस्कृति के संरक्षण करबाक संकल्प के संग 20 अप्रैल क’ सम्पन्न भेल मिथिला महोत्सव -2025

-

लहरि रूम (जमशेदपुर -रांची) : सम्पूर्ण भारतक उद्योगक क्रांति के राजधानी झारखण्ड के शहर जमशेदपुर मिथिला – मैथिली आ मैथिलक संगठन ललित नारायण मिश्र सामाजिक एवं सांस्कृतिक कल्याण समिति जमशेदपुर द्वारा आयोजित दो दिवसीय मिथिला महोत्सव के दोसर दिन विभिन्न कार्यक्रमक संग मिथिला महोत्सव 2025 के समापन भेल | दोसर दिनक कार्यक्रम डेजी ठाकुर के नेतृत्व मे विद्यापति रचित जय जय भैरवी भगवती गीतक प्रस्तुतिक संग भेल ।आओल मुख्य अतिथि आओर विशिष्ट अतिथि लोकनिक कर कमल सँ मंगल दिप जराओल गेल तदोपरांत डॉ सुधानंद झा द्वारा स्वस्ति वाचन कयल गेल।

मंच कार्यक्रम के औपचारिक उद्घाटन मुख्य अतिथि श्री रघुबर दास, ओडिशा के पूर्व राज्यपाल श्री मंगल कालिंदी, विधायक, जुगसलाई, श्री सुमित मिश्र, स्वर्गीय ललित बाबू के पौत्र डॉ. अशोक अविचल, पूर्व संयोजक, पूर्वोत्तर क्षेत्र, साहित्य अकादमी, संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार द्वारा संयुक्त रूप सँ कयल गेल | सब अतिथि के पाग, दोपटा आओर पुष्प गुच्छ भेंट क’ स्वागत आ सम्मानित कयल गेल।

महोत्सव के मुख्य अतिथि के रूप मे संबोधित करैत रघुवर दास कहलनि जे मैथिली अपन परिधान आ पारंपरिक वेशभूषा लेल प्रसिद्ध अछि। मैथिली भाषी संगठन सब अपन मातृभाषा के रक्षा के लेल अपन कर्तव्य के निर्वहन करैत रहैत छथि । मैथिल लोकनि सेहो अपन विकासक लेल अपन घर-परिवार मे मैथिली भाषाक उपयोग करैत छथि । श्री दास झारखंड सरकार सँ मांग केलथि जे योजना नीति मे मैथिली के स्थान देल जाए। संगहि मैथिली अकादमी के गठन के मांग करैत कहलनि जे उपरोक्त दुनू मांग के हम पूर्ण समर्थन करब । स्वर्गीय अटल बिहारी वाजपेयी के सरकार मैथिली के संविधान के अष्टम अनुसूची मे सम्मलित क’ सम्मानित कयने अछि । तहिना नरेन्द्र मोदी सरकार मखान के उत्पादन के उद्योग क रूप मे स्थापित केलक अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts