spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिहर तनाव लेल तैयार भारत : ऑपरेशन SINDOOR जारी रहत !

हर तनाव लेल तैयार भारत : ऑपरेशन SINDOOR जारी रहत !

-

लहरि रूम (नई दिल्ली) : भारत ऑपरेशन सिन्दूर के तहत पाकिस्तान के धरती पर आतंकवाद के गढ़ के नष्ट क’ देलक। जैश-ए-मोहम्मद के बहावलपुर ठिकाना पर निशाना बना क’ भारत एकटा साफ संदेश देलक अछि जे आब आतंकवाद फैक्ट्री नहि चलत। सरकारी सूत्र के अनुसार भारतीय सेना एहि ठिकाना पर सबस घातक हथियार के प्रयोग केलक, जाहि सँ आतंकी के कमर टूटि गेल। मीडिया सूत्र के अनुसार सेना के तीनू अंग के कहब अछि जे आतंक आओर आतंकवादी के विरुद्ध प्रारम्भ भेल अभियान ‘ऑपरेशन सिंदूर’ एखन धरि समाप्त नहि भेल अछि। अखन पकिस्तान जे सैन्य कार्यवाही करैत छल ताहि पर ओकर कार्यवाही आ भारत के जबाबी कार्यवाही के विराम देल गेल अछि। जं ऑपरेशन सिंदूर के पूर्ण होयबाक मे पाकिस्तान बीच मे आओत त’ निश्चित रूप सँ भारत युद्ध मानत। ताहि लेल हम सब एखन युद्धविराम शब्द के प्रयोग नहि क’ रहल छी। हम फायरिंग बंद क’ देने छी।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts