लहरि रूम (नई दिल्ली) :मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे चीन, पाकिस्तान आ अफगानिस्तान संयुक्त रूप सँ एकटा पैघ निर्णय लेलक अछि। चीन-पाकिस्तान आर्थिक गलियारा (CPEC) कैं अफगानिस्तान तक बढ़बै पर सहमत भ’ गेल अछि । इ फैसला एहन समय मे लेल गेल अछि जखन क्षेत्र मे तनाव अछि। ई घोषणा पाकिस्तान केर उपप्रधानमंत्री आ विदेश मंत्री इशाक डार , चीन केर विदेश मंत्री वांग यी आ अफगानिस्तान केर कार्यवाहक विदेश मंत्री अमीर खान मुत्ताकी के बीच बीजिंग मे भेल भेट के बाद लेल गेल अछि ।

तीनू देश मिल कs क्षेत्रीय सुरक्षा आ आर्थिक विकास कें बढ़ावा दै लेल त्रिपक्षीय सहयोग केँ महत्वपूर्ण बतौलनि ।तीनू गोटे बेल्ट एंड रोड इनिशिएटिव (बीआरआई) के तहत सहयोग बढ़ाबै आ सीपीईसी कें अफगानिस्तान तक बढ़बै पर सहमति व्यक्त कयलनि अछि । चीन केर परियोजना मे अफगानिस्तान केर भागीदारी के वजह सँ भारत केर तनाव बढ़नाइ उचित अछि ।

इशाक डार तीन दिनक यात्रा पर बीजिंग गेल छलाह। ओ एहि बैसार कें शांति आ विकास केँ दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण डेग कहलनि । सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म ‘X ’ पर ओ लिखलनि जे ‘पाकिस्तान, चीन आ अफगानिस्तान क्षेत्रीय शांति, स्थिरता आ विकास लेल एक संग ठाढ़ अछि ।’
https://x.com/MIshaqDar50/status/1925079977994690928/photo/1