spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिबिहार कें 12 जिला मे ऑरेंज अलर्ट : अहि बेर सामान्य सँ...

बिहार कें 12 जिला मे ऑरेंज अलर्ट : अहि बेर सामान्य सँ बेसी बरखा होयबाक संभावना, खबरि सँ कृषक लोकनि प्रसन्न !

-

लहरि रूम (रांची) : बिहार मे भयंकर गर्मी सँ लोक सब परेशान छथि। भारत मे अहि बेर मानसून कें पूर्व दस्तक सँ राज्यक लोक के आब गरज आओर बरखा के सामना करय पड़ि सकैत छनि। मौसम विभाग अगिला 24 घंटा मे बिहार क 12 जिला मे भारी बरखा आ बिजलोका खसबाक चेतावनी कें जारी केलक अछि। एहि जिला 12 मे 50-60 किमी/घंटा क’ रफ्तार सँ तेज हवा बहि सकैत अछि। 10-12 जून तक बिहार मे मानसून आबय के उम्मीद अछि।

12 जिला मे ऑरेंज अलर्ट
पटना मौसम केंद्र 12 जिला के लेल ऑरेंज अलर्ट जारी केलक अछि। इ जिला पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, गोपालगंज, सिवान, सारण, मुजफ्फरपुर, सीतामढ़ी, शिवहर, दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर आ वैशाली अछि । एहि क्षेत्र मे तेज हवा, गरज आ बिजलोका खसबाक के संभावना अछि। एहन मे लोक के सावधान रहय लेल कहल गेल अछि।

बिहार मे मानसून कहिया आओत
मौसम विभाग के अनुसार 24 मई के केरल में मानसून आबि गेल अछि जे सामान्य सँ 8 दिन पहिने अछि। 10-12 जून तक मानसून बिहार पहुंच सकैत अछि। एहि बेर सामान्य स बेसी बरखा क’ संभावना अछि जे कृषक लोकनिक लेल नीक खबरि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts