
लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे बिहार कें राजधानी पटना जिला मे 9 कोरोना पॉजिटिव मरीज के पुष्टि भेल अछि। सिविल सर्जन डाॅ. अविनाश कुमार जानकारी देलनि अछि जे एनएमसीएच सँ दू टा , बेली रोड सँ दू टा , एनएमसीएच के एकटा इंटर्न, गोलपुरा सँ एक टा , अनिसाबाद सँ एक टा , मेदांता अस्पताल सँ एकटा एएनएम आओर बख्तियारपुर सँ एक टा कोरोना पॉजिटिव मरीज भेटल अछि। सभक इलाज डॉक्टर के देखरेख में घर पर भ रहल अछि। पटना मे कोरोना पॉजिटिव के संख्या 45 आ सक्रिय कोरोना मरीज के संख्या 28 अछि। आईजीआईएमएस, पीएमसीएच, एनएमसीएच आओर एम्स के संग 92 निजी अस्पताल मे कोरोना जांच भ’ रहल अछि।
