spot_img
Saturday, March 21, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिजेल अधीक्षक छुट्टी पर आ तीन विदेशी कैदी झारखण्ड सँ फरार !

जेल अधीक्षक छुट्टी पर आ तीन विदेशी कैदी झारखण्ड सँ फरार !

-

लहरि रूम (रांची ) : झारखंड के हजारीबाग के जयप्रकाश नारायण केंद्रीय करागार मे स्थित ओपन जेल के होल्डिंग कैंप सँ तीन बांग्लादेशी कैदी के फरार हेबाक मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि । तीनू कैदी विदेशी नागरिक छथि । ओहि मे दूटा महिला आ एकटा पुरुष छथि। हिनका तीनू गोटे के अवैध तरीका सँ भारत मे रहबाक आरोप मे हिरासत मे लेल गेल छल। एहि घटनाक बाद जेल प्रशासन मे हलचल मचि गेल अछि आ सुरक्षा व्यवस्था पर पैघ प्रश्न उठि रहल अछि ।

तीनू विदेशी कैदी कें डिटेंशन सेंटर मे राखल गेल अछि । आशंका अछि जे शुक्रदिन देर राति या शनिदिन भोरे तीनू जेल सँ भागय मे सफल भ’ गेलाह। घटना के खुलासा होइते पुलिस आ सुरक्षा एजेंसी सक्रिय भ’ गेल आ तलाशी अभियान तेज क’ देने अछि ।

फरार हेबाक योजना के मास्टरमाइंड मोहम्मद नजमुल हंग छथि।

भागल बांग्लादेशी नागरिक मे ढाका गाजीपुर निवासी रीना खान उर्फ ​​फिना देवी सेहो छथि । 4 फरवरी 2022 क’ जामतारा जेल सँ हजारीबाग ओपन जेल मे हिनका स्थानांतरित कयल गेल छल ।दोसर महिला कैदी बांग्लादेश केर चट गाँव के निवासी निपाह अख्तर खुशी के 28 सितम्बर 2024 क’ रांची केर होटवार जेल सँ हजारीबाग ओपन जेल मे स्थानांतरित कयल गेल छल ।दुनू महिला बांग्लादेशी कैदीक संग बांग्लादेशक बागेरहाट निवासी मोहम्मद नजमुल हंग सेहो फरार भ’ गेला । बताओल जा रहल अछि जे ओपन जेल सं भागबाक पूरा योजना नजमुल हंग केने छलाह आ पूरा घटना के एहन तरीका सं अंजाम देल गेल जे 24 घंटा धरि ककरो कोनो सुराग नहिं भेटल।

जेल अधीक्षक छुट्टी पर दिल्ली चलि गेल छथि
सूत्र सँ प्राप्त भेल जानकारी क अनुसार जेल अधीक्षक एखन छुट्टी पर दिल्ली गेल छथि। बताओल जा रहल अछि जे एहि तीनू कैदी क’ पहिने अलग-अलग जेल मे राखल गेल छल। बाद मे सुरक्षा कारण हुनका हजारीबाग ओपन जेल मे शिफ्ट क’ देल गेल छल। मुदा इ घटना एक बेर फेर जेल के सुरक्षा व्यवस्था के उजागर क देलक अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts