spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिप्रथम बेर कोलकत्ता नीमतल्ला कें बाबा भूतनाथ मंदिर मे पहिल बेर 1.25...

प्रथम बेर कोलकत्ता नीमतल्ला कें बाबा भूतनाथ मंदिर मे पहिल बेर 1.25 लाख पार्थिव शिवलिंग कें भेल पूजन संग महारुद्राभिषेक संपन्न…

-

नेपाल जनकपुर धाम सँ आयल माटिक संग भेल पार्थिव शिवलिंग कें निर्माण

लहरि रूम (कोलकत्ता) : जाहि समय कतौ ने कतौ सनातन धर्म के ऊपर प्रहार कें खबरि बंगाल सँ अनवरत भेटति रहैत अछि। अहि बिच मे मिथिला कें एकटा मैथिल समाजसेवी विकास पाठक सनातन धर्म के झण्डा बुलंद कयने छथि। निर्भीक भ’ बंगाल कें ह्रदयस्थली कोलकत्ता मे नित्य किछु ने किछु आयोजन करैत रहैत छथि। रवि दिन 8 जून 2025 क’ प्रथम बेर कोलकत्ता कें नीमतल्ला कें प्रसिद्ध बाबा भूतनाथ मंदिर मे हिनक सहयोगी लोकनिक संग सवा लाख पार्थिव शिवलिंग के सर्वप्रथम निर्माण क’ ओहि केर विधिवत पूजन आ महारुद्राभिषेक कयल गेल। एहि आयोजन मे करीब 50 शिवभक्तक समूह नेपाल सँ बाबा भूतनाथ मंदिर आबि भव्य महारुद्राभिषेक यज्ञ कें संपन्न करौलनि । एहि आयोजन कें सफल बनबै मे आयोजक विकास पाठक, मिथिलावादी नेता नीलेश झा, सुभाष मिश्र महत्वपूर्ण योगदान रहलनि। अहि पुण्य अवसर पर विकास पाठक जी कहला जे इ आयोजन अपने आप मे ऐतिहासिक अछि। बहुत सौभाग्यक बात अछि जे माँ सीताक नगरी सँ माटि आयल । एहि आयोजन मे स्थानीय पार्षद श्री विजय उपाध्याय मुख्य अतिथि के रूप मे उपस्थित छलाह |विशिष्ट अतिथि के रूप मे बाबा भूतनाथ मंदिर के पुजगरी गणेश ठाकुर अपन पूरा योगदान दैत कहलनि जे ई आयोजन हर साल होयत। एहि आयोजन मे अतिथि महेन्द्र अग्रवाल, धनंजय ठाकुर, सोनू ठाकुर, ललन झा, मदन झा, ललन ठाकुर, जनकपुर, बद्री शाह, संजीव झा, बबलू जी, हीरा बाबा, लक्ष्मणेश्वर ठाकुर, भोगेन्द्र झा, महेन्द्र जी आ बाबा के अनगिनत भक्त लोकनि भाग लेलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts