लहरि रूम (दरभंगा) : जन सुराज के संयोजक प्रशांत किशोर एकटा पैघ रैली के संबोधित करय लेल दरभंगा के मणिगाछी पहुंचलाह। जतय कार्यकर्त्ता लोकनि सब हुनकर जोरदार स्वागत केलनि। रैली के संबोधित करैत पीके दू टा पैघ घोषणा केलनि आ कहलनि जे एहि साल छठि के बाद आगामी विधानसभा चुनाव मे अपन बच्चा के लेल जन सुराज कें सरकार बनाउ। जं छठि के बाद जनता कें (जन सुराज पार्टी) सरकार बनत त’ कार्तिक महीना सँ सरकार बनैत देरी सबसँ पहिने महिला आ पुरुष के देल जाय वाला 400 रुपया के वृद्धावस्था पेंशन बढ़ा देल जायत आ दिसंबर सँ 60 साल सँ ऊपर के सब महिला के 2000 रुपया भेटय लागत।

अपन बच्चा सब के लेल जनसुराज कें वोट दियौ : प्रशांत किशोर
दोसर पैघ घोषणा करैत ओ कहला जे सरकार बनला कें एक सालक भीतर बिहार कें युवा कें कम सँ कम 10 हजार टका प्रति माह कमाएबा लेल रोजगारक व्यवस्था कैल जाएत। जकर कारण बिहार के युवा के गुजरात आओर दोसर राज्य मे नहि जाए पड़त। सभा के आगू संबोधित करैत पीके कहलनि जे जखन अहां एहि विधानसभा चुनाव मे वोट देबय जायब त’ प्रण ली आ अपन बेटा प्रशांत किशोर के बात सुनू आ कोनो नेता या पार्टी के वोट नहि दियौ, जाति या हिन्दू-मुस्लिम के नहि, नीतीश, नरेंद्र मोदी, प्रशांत किशोर के नहि। अपन बच्चा सब के उज्जवल भविष्य हेतु वोट दियौ।
