जन सुराज पार्टी 243 उम्मीदवार के ‘स्कूल बैग’ चिन्ह पर चुनाव मैदान मे अपन प्रत्याशी उतारत….

लहरि रूम (रांची) : भारतीय निर्वाचन आयोग (EC) बिहार मे आगामी विधानसभा चुनाव सँ पहिने जन सुराज पार्टी केँ आधिकारिक तौर पर “स्कूल बैग” चुनाव चिन्ह आवंटित क’ देलक अछि। आब पार्टी के सभ 243 उम्मीदवार एहि नवका प्रतीक चिन्ह के तहत चुनाव लड़ताह। इ घटनाक्रम राजनीतिक रणनीतिकार स॑ कार्यकर्ता बनलऽ प्रशांत किशोर द्वारा 2 अक्टूबर 2024 कऽ अपन राजनीतिक संगठन जन सुराज पार्टी केर शुभारंभ के घोषणा करला के आठ महीना बाद घटित भेल अछि ।
