spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिलायंस क्लब आफ रांची ईस्ट केर अध्यक्ष बनला भरतेन्दु झा - बधाई...

लायंस क्लब आफ रांची ईस्ट केर अध्यक्ष बनला भरतेन्दु झा – बधाई !

-

लहरि रूम (रांची) : लगभग 50 हजार क्लब आ 14 लाख सदस्य के माध्यम सँ दुनिया के 210 देश मे समाज सेवा करय वाला सबस पैघ संस्था लायंस इंटरनेशनल के इकाई लायन्स क्लब ऑफ रांची ईस्ट के पदाधिकारी लोकनि कें चुनाव सर्वसम्मति सँ पुर्ण भ’ गेल। नव टीम मे भरतेन्दु झा – अध्यक्ष, अमित कुमार – मानद सचिव आ अंजना गट्टानी कोषाध्यक्ष रहताह। नव टीम के कार्यकाल 1 जुलाई 2025 सँ 30 जून 2026 तक होयत।

लायंस इंटरनेशनल एकमात्र सामाजिक कार्य संगठन अछि जे साल 1945 सँ सलाहकार के रूप मे संयुक्त राष्ट्र केर सदस्य अछि ।लायंस क्लब आफ रांची ईस्ट केर स्थापना 30 नवंबर 1985 मे कयल गेल छल आ एकरा लायंस इंटरनेशनल सँ 17 जनवरी 1986 क’ मान्यता देल गेल। महज 56 अदस्य द्वारा आरंभ कयल गेल क्लब मे आइ 200 सँ बेसी सक्रिय सदस्य छथि जिनक प्रयास सँ लायन्स क्लब ऑफ रांची ईस्ट पूर्वी भारत के पैघ आ सक्रिय क्लब केर श्रेणी मे सम्मलित अछि । लायंस क्लब ऑफ रांची ईस्ट केर हस्ताक्षर आ स्थायी परियोजना कोकर रांची मे स्थित निरमाया अस्पताल छैक , जे पिछला तीन दशक सँ स्वास्थ्य क्षेत्र मे सेवा द’ रहल अछि । रांची शहर के आसपास के दूर-दराज के क्षेत्र मे शिविर के आयोजन क’ मरीज के पहचान क’ उचित इलाज के लेल निरमाया अस्पताल आनल जाइत अछि। एहि कें अलावा लायन सदस्य सुरेश अग्रवाल के माता स्वर्गीय बादामी देवी अग्रवाल के स्मृति मे अल्बर्ट एक्का चौक( फिरयलाल) रांची स्थित रांची नगर निगम केर स्थल सौजन्य सँ निःशुल्क ठंडा आ स्वच्छ पेयजल के सुविधा देल जा रहल अछि , जे साल भर आम जनता लेली फायदेमंद अछि । एहि केर अतिरिक्त इ क्लब कोकर मे स्थित के एम मल्लिक मध्य विद्यालय कें अपन संरक्षण द’ सेवा क’ रहल अछि ।

लायनस्टिक ईयर 2024-25 के अध्यक्ष संजय पोद्दार जी के नेतृत्व मे क्लब अपन नव पहचान के निर्माण केलक आ बहुत रास उत्कृष्ट काज केलक , जेना निरमाया अस्पताल में नव उपकरण जोड़ल, बहुत रास डॉक्टर के जोड़ल आ पिआउ के सौंदर्यीकरण।

नव अध्यक्ष भरतेन्दु झा के प्राथमिकता मे लायंस इंटरनेशनल के मार्गदर्शन मे युवा मे बाल स्वास्थ्य, चरित्र, पर्यावरण आ कौशल विकास सम्मलित होयत। नव टीम कें सहयोग करबाक लेल पूर्व जिला मजिस्ट्रेट राजेश गुप्ता – प्रशासक, सतीश गुप्ता आ सुनील माथुर, प्रथम आ द्वितीय उपाध्यक्ष क्रमशः किशोर मंत्री, रामकृष्ण जी, दिनेश लाल ठाकुर, बिनोद सिंह, मुकेश पाण्डेय, बीरेन्द्र नारायण, जूथिका सान्याल, शायरी अग्रवाल, शिवानी सोनी, अनिता झा, अजीत सहित गुप्ता, मनोज गोप, डॉ. सुरंजन सरकार, देवशीस सान्याल, प्रशांत गुप्ता, नीरजकांत साहा, योगेन्द्र साहू, रूपेन्द्र कुमार, संतोष अग्रवाल, सीताराम नरसरिया आदि निदेशक मंडल मे सम्मलित छथि | क्लब के पीआरओ लायन शीतल ओहदार भेला अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts