
रांची कें भेटल नव रफ़्तार : नितिन गडकरी देलनि उपहार : रातू रोड फ्लाई ओवर

रांची कें विधायक सी पी सिंह कयलनि स्वागत
लहरि रूम (राँची) : बहुत इंतजार के बाद रांची मे रहनिहार लोकनि के एकटा आओर पैघ उपहार केंद्र सरकार कें द्वारा देल गेल। शहरक भीड़भाड़ वाला क्षेत्र रातु रोड मे बनल एलिवेटेड कॉरिडोर बुधदिन जनता लेल खोलल गेल। उद्घाटन समारोह मे केंद्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्री नितिन गडकरी स्वयं अपन कर कमल सँ रांची केर जनता केसुपुर्द कयलनि हिनक उपस्थिति आम जनमानस कें काफी उत्साहित कयलक ।

गाड़ी सँ निकली स्वयं गडकरी जी कयलनि आम जनमानस कें कयलनि अभिवादन ……
मौसम कें गड़बड़ी कें कारण नियत समय सँ विलम्ब सँ प्रारम्भ भेल कार्यक्रम मे साँझ 6:30 बजे गडकरी मंच पर पहुँचैत देरी ओटीसी ग्राउंड आ सड़क कात मे सैकड़ों लोक जमा भ’ गेलाह आ वाहवाही आ नारा सँ हुनकर स्वागत केलनि। समारोह समाप्त होइते फ्लाईओवर पर लोकक भीड़ जमा भ’ गेल। पैदल चलनिहार सँ ल’ क’ बाइक आ कार ड्राइवर तक सब कियो फ्लाईओवर पर यात्रा करबाक लेल उत्साहित देखल गेला ल। युवा सब अपन उत्साह के सोशल मीडिया पर रील आ व्लॉग बना क’ साझा कयलनि अछि ।