
लहरि रूम (रांची) : आइ दिनांक 5 जुलाई 2025 क’ रांची जिला के ओरमांझी क्षेत्र में स्थित कलकत्ता पब्लिक स्कूल में प्रातः 9: बजे सँ विद्यालय कें छात्र एवं छात्रा लोकनिक द्वारा वृहद प्रदर्शनी (मंथन) के आयोजन कयल गेल। विद्यालय कें निदेशक मिथिलेश कुमार मिश्र कें द्वारा जानकारी देल जेल जे भौतिकी, रसायन शास्त्र , जिव विज्ञान, गणित, मानवीकी, वाणिज्य, अंग्रेजी आदि विषय सँ सबंधित कुल 114 प्रोजेक्ट छात्र एवं छात्रा लोकनिक द्वारा प्रदर्शित कयल गेल।

पृथ्वी केर संरचना, मानव विकास सँ ल’ क’ सिंधु घाटी सभ्यता, विभिन्न प्रकार कें सिक्का सहित वर्षा जलक संरक्षण, कचरा निष्पादन, पवन ऊर्जा, हाइडल पावर प्रोजेक्ट, कचरा सँ विधुत उत्पादन संग पाइथागोरस साध्य के प्रभाव, वैदिक गणित , गणित पार्क आओर अंग्रेजी व्याकरण के विभिन्न अंग जीवंत प्रोजेक्ट कें माध्यम सँ प्रदर्शित कयल गेल। अहि आयोजन मे प्राथमिक कक्षा सँ ल’ क’ 12 कक्षा तक विद्यार्थी लोकनिक सभागिता रहल।

समस्त प्रोजेक्ट विद्यालय समूह के वाइस चेयरमैन प्रभाष कुमार झा, निदेशक मिथिलेश मिश्र, प्राचार्य प्रियम्बदा झा संग शिक्षक आर. बी. शर्मा , पुरुषोत्तम पांडेय, श्याम कुमार, राजेश यादव, राजकुमार पांडेय, अनुराधा चटर्जी, रूबी सिंह, अनुपमा किरण, भारती मिश्र, विनीता चौधरी आदि के मार्गदर्शन मे सम्पन भेल।