spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिरूप रेखा भेल तैयार :रांची मे 'महारुद्रभिषेक' आ 'सावन मिलन समारोह' संग...

रूप रेखा भेल तैयार :रांची मे ‘महारुद्रभिषेक’ आ ‘सावन मिलन समारोह’ संग अनेक कार्यक्रमक आयोजन करत झारखण्ड मैथिली मंच, रांची

-

लहरि रूम (रांची) : आइ झारखण्ड मैथिली मंचक कार्यकारिणीक बैसार अध्यक्ष बिनय कुमार झा कें अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल जाहि मे महासचिव जयन्त कुमार झा के प्रस्ताव पर सर्व सम्मति सँ निम्नलिखित निर्णय लेल गेल अछि –
1- आगामी 30 अगस्त 2025 कऽ साहित्य अकादमीक सौजन्य सँ भाषाविद डाक्टर सुभद्र झा पर व्याख्यान मंच के भवन मे दिन मे दू सत्र पहिल उद्घाटन सत्र आ दोसर विद्वान वक्ता लोकनिक उक्त विषय पर व्याख्यान होयत।एहि कार्यक्रम हेतु ब्रज कुमार झा कें संयोजक मनोनीत कयल गेल। हुनका अध्यक्ष,महासचिव, कोषाध्यक्ष आ अन्य के आवश्यकतानुसार सहयोग भेटत ।
2- प्रसन्नताक विषय जे सगर राति दीप जड़य के आतिथ्य भेटल अछि। 30 अगस्त 25 कें संध्या/राति मे एहि कार्यक्रमक सेहो आयोजन कयल जायत। एहि कार्यक्रम हेतु राज कुमार मिश्र कें संयोजक मनोनीत कयल गेल । संगहि एहि बृहत कार्यक्रम मे संयोजक कैं बदरी नाथ झा, बाबू लाल झा, प्रेम चन्द्र झा, ब्रज किशोर झा, मकर चौधरी, प्रकाश चन्द्र झा, रंधीर झा सहयोग करथिन्ह। अध्यक्ष, महासचिव आ कोषाध्यक्ष पदेन सहयोगक नजरि रखथिन्ह।

3- सावन मिलन समारोह मंचक बहिना प्रकोष्ठ के देख रेख मे संपन्न होयत एहि आयोजन हेतु ब्रज किशोर झा कें बहिना प्रकोष्ठक संग कार्यक्रमक तिथि आ रूप रेखा तैयार करवाक लेल अधिकृत कयल गेल।
4- 15 अगस्त के झंडोतोलन कार्यक्रम के दिन बच्चा सबहक बीच फैंसी ड्रेस प्रतियोगिता मिथिला पेंटिंग/ड्राइंग काव्य पाठ आदि आकर्षक प्रस्तुति हेतु प्रेम चन्द्र झा,श्री संतोष कुमार मिश्र, श्री रंधीर झा सहित अध्यक्ष आ महासचिव सहयोगक नजरि रखथिन्ह।
5- साओन मास मे मंच के भवन मे रुद्राभिषेक कार्यक्रम कयल जायत। जकर तिथि निर्धारण शतीष कुमार मिश्र कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र के संग विमर्श कय निश्चित कय अध्यक्ष/महासचिव कें जनतव देताह।
6- झारखण्ड सरकार मे द्वितीय राजभाषा दर्जा प्राप्त मैथिली कें राज्य मे नियोजन नीति नहिं जोड़वाक लेल आक्रोश ब्यक्त कयल गेल। एहि विषय पर 10 जुलाई 2025 बृहस्पति दिन एक मात्र विषय पर विस्तृत चर्चा कयल जायत।
धन्यवाद ज्ञापन के उपरांत वैसार संपन्न भेल।

तदुपरांत समस्त उपस्थित सदस्य लोकनि प्रवीण कुमार झा जी कें पुलिस उपाधीक्षक के पद पर प्रोणति सऽ प्रसन्न हुनका आवास पर जा कऽ पाग दोपटा सँ सम्मानित कय बधाई आ मंगल कामना ब्यक्त कयलनि। बैसार मे अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयन्त कुमार झा,कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, श्री आदित्य नाथ मिश्र, बाबू लाल झा, प्रकाश चन्द्र झा, नर्मदेश्वर झा, प्रेम चन्द्र झा, ब्रज किशोर झा, श्री बदरी नाथ झा, राज कुमार मिश्र, मकर चौधरी, श्री शतीष कुमार मिश्र, प्रशांत कुमार मिश्र, नरेश झा, रंधीर झा, ब्रज कुमार झा, दया शंकर चौधरी आदि उपस्थित छलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts