spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिपूर्णिया मे नरसंहार : आदिवासी तांत्रिक के बहकावा मे आबि आक्रोशित जन...

पूर्णिया मे नरसंहार : आदिवासी तांत्रिक के बहकावा मे आबि आक्रोशित जन द्वारा एक आदिवासी परिवार के पांच गोटे के जिन्दा जलाओल गेल

-

लहरि रूम (पटना) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे बिहार के पूर्णिया जिला मे एकटा नरसंहार कें घटना घटल। मुफस्सिल थाना के टेटगमा गाम मे डाइन-बेसाहि हेबाक बहाने एकटा परिवारक पाँच गोटेक हत्या क’ देल गेल अछि । तांत्रिक नकुल ओरावन भूत भगाबै के नाम पर अफवाह उड़ौने छला ।

मुफस्सिल थाना के टेटगमा गाम मे डाइन-बेसाहि हेबाक आरोप मे एकटा परिवार के पांच सदस्य के हत्या क’ देल गेल। आब एहि सँ सबंधित एकटा वीडियो सोशल मीडिया पर वायरल भ’ रहल अछि। एहि वीडियो मे देखल गेल व्यक्ति के नाम नकुल उरांव बताओल जा रहल अछि | वीडियो मे तांत्रिक नकुल उरांव रामदेव उरांव के बीमार बेटा के ठीक करय लेल भूत भगा रहल अछि। मंत्रक जाप करैत ओहो बुदबुदा रहल छथि । कहल जाइत अछि जे किछु दिन पहिने रामदेव उरांव के एकटा पुत्र के मृत्यु भ’ गेल छल। पुनः रामदेव उरांव दोसर बेटा बीमार पड़ि गेलनि । एहि क्रम मुख्य आरोपी नकुल रामदेव उरांव भूत भगाबय के काज केने छलाह। वीडियो में भूत भगाबैत देखल गेल व्यक्ति ई अफवाह फैला देने छल जे बाबूलाल ओरावन के पत्नी सीता देवी आ माँ कातो देवी एहि लड़का पर जादू-टोना केने छथि। एकर बाद समाज मे एकटा बैसार सेहो बजाओल गेल ।ओहि दिन बाबूलाल उड़ाव सेहो बजाओल गेल छल । मुदा ओतए नहि पहुँचलाह। 6 जुलाई के राति मे तांत्रिक नकुल उड़ाव लोक के भड़का देलखिन। गामक लोक रामदेव उड़ाव कें बीमार बेटाकेँ बाबूलाल उड़ाव घर अनलक आ बाबूलालक माए केँ ठीक करबाक लेल कहलक। बाबूलालक पत्नी सीता देवी अपन नइहर मे छलि । ओहि ठाम सँ लोक सब जबरदस्ती फोन केलक।

150 गोटे सँ बेसी लोक मिल क’ कयलनि नरसंहार
जखन ओ सब बीमार लड़का के ठीक नहि क’ सकली त’ करीब 150 लोक के उग्र भीड़ बाबूलाल ओरांव, हुनकर पत्नी सीता देवी, मां काटो देवी, बेटा मंजीत ओरावन आ पुतहु रानी देवी के लाठी सँ बेरहमी स मारय लागल। जखन ओकर भाई ओकरा बचाबय लेल गेल त ओकरा धमकी देलक जे पुलिस के फोन करब त’ ओकरो हत्या क’ देल जायत। ओ सभ आतंकित भ’ गेलाह।

5 गोटा केँ जीवित जरा देल जेल ….
एकर बाद आक्रोशित भीड़ पांच गोटे के जिंदा जरा देलक आ लाश के ट्रैक्टर पर लादि क’ घटनास्थल सँ 4 किलोमीटर दूर नदी के कात मे जलकुम्भी मे फेंक देलक। ट्रैक्टर मालिक सनाउल्लाह लोक सब सँ 40 हजार टका ल’ क’ पांचटा लाश फेकबाक लेल ल’ गेल छला । मुदा पुलिस ट्रैक्टर मालिक सनाउल्लाह आ तांत्रिक नकुल उड़ाव सहित तीन गोटे के गिरफ्तार केलक अछि। एहि मामला मे 23 नामित आ करीब 150 अज्ञात लोक कें विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कैल गेल अछि। पुलिस आओर लोक के गिरफ्तार करय लेल सेहो कार्रवाई क’ रहल अछि। फिलहाल पुलिस घटनास्थल पर कैंप क’ रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts