
लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड मैथिली मंच कार्यकारिणीक विशेष बैसार आइ दिनांक 10 जुलाई 2025 बृहस्पति दिन विद्यापति दलान हरमू के परिसर मे बिनय कुमार झा कें अध्यक्षता मे भेल । बैसार मे मुख्य रूप सँ झारखण्ड राज्य मे द्वितीय राजभाषा दर्जा प्राप्त मैथिली भाषा कैं राज्य के नियोजन नीति सँ बंचित रखवाक लेल आक्रोश ब्यक्त कयल गेल ।एहि विषय कें सरकार के संज्ञान मे अनवाक लेल चरण बद्ध कार्यक्रम बनावल गेल । प्रथम चरण मे राजनीतिक दल ,जनप्रतिनिधिगण ,सरकार के वरीय अधिकारी आ राज्यक संवैधानिक प्रमुख कैं शिष्टमंडल, ज्ञापन आ पत्रक माध्यम सऽ ध्यान आकृष्ट कराओल जायत । तत्पश्चात आवश्यकता अनुसार आगामी कार्यक्रम बनावल जायत।

महारुद्राभिषेक कें होयत आयोजन
आगामी 12 जुलाई 2025 शनि दिन झारखण्ड मैथिली मंचक तत्वावधान मे विद्यापति दलान हरमू के परिसर में जनकल्याणर्थ महारुद्राभिषेक कार्यक्रम आयोजित कयल गेल अछि। जाहि मे रांची मे रहनिहार मैथिल संग अन्य समाजक लोकक उपस्थित रहबाक सम्भवना अछि।
बैसार मे अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयन्त कुमार झा,कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र , प्रेम चन्द्र झा, बाबू लाल झा, बदरी नाथ झा, राज कुमार मिश्र, प्रकाश चन्द्र झा,मोहित मुकुल, ब्रज किशोर झा, आदित्य नाथ मिश्र , ब्रज कुमार झा सहित अनेक सदस्य उपस्थित भेलाह ।