spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिजन अधिकार पार्टी केँ कांग्रेस मे भेल विलय : पप्पू यादव कांग्रेस...

जन अधिकार पार्टी केँ कांग्रेस मे भेल विलय : पप्पू यादव कांग्रेस मे शामिल

-

बिहार केँ मिथिला क्षेत्र (आजुक सीमांचल) मे प्रभाव रखनिहार राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव अपन जन अधिकार पार्टी केँ कांग्रेस मे विलय केलनि। पप्पू यादव आओर हुनक पुत्र सार्थक रंजन कांग्रेस मे सम्मलित भ’ गेला। सदस्यता ग्रहण करबा सँ पूर्व पप्पू यादव मंगल दिन रात्रि मे लोकसभा चुनाव 2024 केँ ल’ क’ विचार विमर्श करबाक हेतु राष्ट्रीय जनता दल के राष्ट्रीय अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव आओर बिहार के पूर्व उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव सँ भेंट कयलनि। पप्पू यादव केँ पत्नी रंजीता रंजन कांग्रेस सँ राज्यसभा सांसद छथि । उन्हें कांग्रेस ने छत्तीसगढ़ से राज्यसभा भेजा था। कांग्रेस द्वारा हिनक पत्नी केँ छत्तीसगढ़ सँ राज्यसभा पठाओल गेल छल।
राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव पाँच बेर सांसद आओर एक टर्म केँ विधायक रहला अछि। हिनक जन्म सन 1967 मे बिहार केँ मधेपुरा मे भेल छनि। पूर्णिया सँ पठन पाठन कयलनि। 1990 मे निर्दलीय विधायक चुनि क’ अयला बाद मे 1991, 1996, 1999, 2004 आओर 2014 मे लोकसभा चुनाव जीतला। आजुक दिन केँ जन अधिकार पार्टी केँ नाम समाप्त भ’ गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts