spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिकलकत्ता पब्लिक स्कूल, ओरमांझी मे 'वन नेशन ,वन इलेक्शन' विषय पर सम्पन्न...

कलकत्ता पब्लिक स्कूल, ओरमांझी मे ‘वन नेशन ,वन इलेक्शन’ विषय पर सम्पन्न भेल वाद-विवाद प्रतियोगिता।

-

लहरि रूम (रांची) : स्कूल स्तरीय वाद-विवाद प्रतियोगिता के फाइनल राउंड के समापन आय कलकत्ता पब्लिक स्कूल, ओरमांझी के सभागार मे संपन्न भेल , जाहि मे कुल 12 प्रतिभागी भाग लेलनि। मार्स हाउस के 6 आ यूरेनस हाउस के 6 प्रतिभागी भाग लेलनि । वाद- विवाद के विषय छल वन नेशन, वन इलेक्शन ( एक राष्ट्र एक चुनाव) । मार्स हाउस के बच्चा सब एकर पक्ष मे आ यूरेनस हाउस के ओकर विपक्ष अपन बयान देलनि आ रिव्यूटल राउंड मे प्रश्नक उत्तर देलनि ।

उक्त वाद-विवाद प्रतियोगिता मे निर्णायक मंडल मे कुल 7 सदस्य छलाह, जाहि मे दू गोटे प्रिंट मीडिया सँ छलाह। पायनियर कें स्थानीय संपादक अनुपम शशांक आ संथाल एक्सप्रेस दुमका कें संपादक अशोक कुमार। सेंट जेवियर कॉलेज रांची के राजनीति विज्ञान विभाग के प्रोफेसर डॉ. आशुतोष कुमार पाण्डेय आओर अंग्रेजी विभाग के डॉ. अन्नया बोस संग इलेक्ट्रॉनिक मीडिया सँ ईटीवी भारत कें वरिष्ठ संवाददाता भुवन किशोर झा आ नक्षत्र न्यूज रांची कें संपादक निलय कुमार सिंह निर्णायक मंडल मे सम्मलित छला । सातम निर्णायक मंडली सदस्य कलकत्ता पब्लिक स्कूल के रेक्टर मिथिलेश कुमार मिश्र छलाह। सब छात्र के प्रदर्शन के आधार पर यूरेनस हाउस के विजेता आ मार्स हाउस के उपविजेता घोषित कयल गेल। दुनू टीमक बीच वाद विवाद खूब संवैधानिक तरीका सँ सम्पन्न भेल । आजुक वाद विवाद प्रतियोगिता के फाइनल मे मार्स हाउस सँ सुश्री प्रशंसा झा आ यूरेनस हाउस सँ सुनिधि सिंह कें सर्वश्रेष्ठ वक्ता घोषित कैल गेल ।

कार्यक्रम के शुभ आरम्भ दीप प्रज्वलन सँ भेल, जकर बाद कलकत्ता पब्लिक स्कूल के वॉइस चेयरमैन प्रभाष कुमार झा सब गणमान्य अतिथि लोकनिक स्वागत करैत औपचारिक रूप सँ वाद-विवाद प्रतियोगिता के शुभारंभ के घोषणा कयलनि । अतिथि लोकनिक स्वागत रेक्टर मिथिलेश कुमार मिश्र केलनि। वाद विवाद प्रतियोगिता के सुंदरता इ छल जे सब प्रतिभागी द्वारा वन नेशन वन इलेक्शन सँ जुड़ल 129 वां संवैधानिक संशोधन विधेयक के संबंध मे सब महीन बिन्दु के बहुत मजबूती सँ राखलनि । एहि क्रम मे भारतक संविधानक विभिन्न अनुच्छेद पर चर्चा करैत इ उल्लेख कयल गेल जे एकर प्रावधान मे केहन संशोधन आवश्यक अछि । संगहि लॉ कमीशन केर रिपोर्ट के संबंध मे पूर्व राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद केर समिति द्वारा देल गेल सिफारिश के संबंध मे नीति आयोग केर सिफारिश के संबंध मे राष्ट्रपति केर संबोधन के दौरान देल गेल बयान मे जे सब महत्वपूर्ण बिन्दु उठैल गेल छेलै, ओकरा बारे मे विस्तार सँ बताओल गेल। संगहि स्वीडन, बेल्जियम, यूनाइटेड किंगडम, आदि मे भ’ रहल चुनाव आ एक संग चुनाव, आदि के प्रभाव आओर दुष्प्रभाव के बारे मे विस्तार सँ बात राखल गेल … रिव्यूटल राउंड मे महत्वपूर्ण प्रश्नक उत्तर सेहो प्रतिभागी लोकनिक द्वारा देल गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts