spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिद्वारका (दिल्ली) के एकटा स्कूल के भेटल बम के धमकी : स्कूल...

द्वारका (दिल्ली) के एकटा स्कूल के भेटल बम के धमकी : स्कूल परिसर खाली क’ देल गेल !

-

लहरि रूम(दिल्ली) : आइ 22 अगस्त शुक्रदिन भोर मे दिल्ली के द्वारका स्थित मैक्सफोर्ट स्कूल के बम के धमकी भेटला के बाद स्कूल परिसर के खाली कराओल गेल अछि । दिल्ली अग्निशमन सेवा (डीएफएस) के अहि धमकी के बारे मे जानकारी प्रातः 7.05 बजे भेटल अछि।

द्वारका सेक्टर-7 मे स्थित विद्यालय के अंदरपुलिस दल, बम निरोधक दस्ता आ दमकल कें गाड़ि द्वारा तलाशी अभियान चलाओल जा रहल अछि। बम के धमकी ईमेल के माध्यम सँ स्कूल के भेजल गेल छल। एकटा अधिकारी कहलनि जे, भवन के खाली क’ देल गेल अछि आ छात्र के सुरक्षा सुनिश्चित करय लेल गहन जांच कयल जा रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts