spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिशिक्षक दिवस के अवसर पर विश्वम्भर फाउंडेशन द्वारा आयोजित भेल 'शिक्षक सम्मानोत्सव'

शिक्षक दिवस के अवसर पर विश्वम्भर फाउंडेशन द्वारा आयोजित भेल ‘शिक्षक सम्मानोत्सव’

-

लहरि रूम (रांची) : विश्वम्भर फाउंडेशन, रांची के तत्वावधान मे शिक्षक दिवस के अवसर पर मिथिला समाजक शिक्षक लोकनि के सम्मानित कयल गेल | आइ झारखंड राज्य के लोहरदग्गा जिला के शिक्षक राम कुमार झा, राजीव कुमार झा, जेवीएम श्यामाली के शिक्षक बीएन झा, सीसीएल गांधी नगर के शिक्षक गोविंद झा आओर डीपीएस बोकारो के शिक्षक सूरज कुमार झा के विश्वम्भर फाउण्डेशन ,के सञ्चालन समिति के वरिष्ठ सदस्य अमरनाथ झा आ विनोदानंद झा जी के कर कमल सँ मिथिला के संस्कृति सम्मान दोपटा ओढ़ा क’ , माला पहिरा क’ , गुलाबक पुष्प द’ फाउण्डेशन द्वारा प्रकाशित पुस्तक ‘हरीशचंद्र नृत्यम ‘ एवं ‘श्री चन्द्रचकोरि जय जय हो’ प्रदान क’ सम्मानित कयल गेल। ‘शिक्षक सम्मनोत्सव’ कार्यक्रम के प्रारम्भ मे सञ्चालन समिति के सदस्य अमरनाथ झा भारत के पूर्व राष्ट्रपति डॉ सर्वपल्ली राधाकृष्णन के श्रद्धासुमन अर्पित करैत शिक्षक दिवस कें महात्मय पर अपन विचार व्यक्त कयलनि। अहि अवसर पर सम्मानित भेल शिक्षक लोकनि सेहो अपन विचार प्रकट करैत विश्वम्भर फाउण्डेशन, रांची के अपन धन्यवाद ज्ञापित कयलनि। आजुक अहि आयोजन मे सञ्चालन समिति के अमरनाथ झा , विनोदानंद झा, अभिलाषा चौधरी, मृत्युंजय झा, राधेश्याम यादव, किशोर झा संग अनेक गणमान्य उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts