spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिसावधान -बजारक मे नवका आलू अछि 'नकली आलू' !

सावधान -बजारक मे नवका आलू अछि ‘नकली आलू’ !

-

लहरि रूम (पटना) : राजधानी पटना मे खाद्य सुरक्षा प्रशासन मिठापुर द्वारा मीना बाजार क्षेत्र मे छापामारी कें दौरान नकली आ रासायनिक उपचारित आलू क पैघ खेप जब्त कयल गेल अछि । अधिकारी सब के कहनाय छनि जे पुरान आलू पर लाल गेरू के माटि आ रसायन के लेप लगाओल जा रहल अछि जाहि सँ ओ ताजा आ चमकदार देखा सकय, अहि आलू के सेवन सँ उपभोक्ता के स्वास्थ्य पर गंभीर असरि भ’ सकैत छनि।

छत्तीसगढ़ सँ नकली आलू तैयार भ’ 50 सँ 75 रूपया प्रति किलो विका रहल अछि झारखण्ड आओर बिहार के बाजार मे
ई आलू छत्तीसगढ़ सँ आबि रहल छल आ सब दिन भोर 6 बजे ट्रक सँ पहुंचैत छल। स्थानीय व्यापारी सब भोर 9 बजे तक आलू कीनि कए अलग-अलग इलाका मे बिक्री लेल पठा दैत छलाह। जाँच अधिकारी के अनुसार मिलावट आलू के 20-25 रुपया प्रति किलो के दर सँ खरीदल जा रहल अछि आ उपभोक्ता के 50 -75 रुपया प्रति किलो के बढ़ल दाम पर बेचल जा रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts