लहरि रूम (रांची ) : झारखंड मैथिली मंच, रांची के विद्यापति दलान हरमू के परिसर मे विद्यापति स्मृति दिवस के अवसर पर एकटा परिचर्चाक आयोजन कयल गेल | विद्यापति द्वारा रचित भगवती वंदना, “जय जय भैरवी असुर भयाउनि” के समूह गायन सँ आयोजन के शुभआरम्भ भेल। एकरऽ बाद सब सदस्य लोकनिक द्वारा मैथिल कोकिल महाकवि विद्यापति केर चित्र पर पुष्प अर्पित कयल गेल । अहि के उपरांत सब सदस्य विद्यापति के प्रति अपन भावना व्यक्त केलनि ।

आगमी कार्यक्रम सामा- चकेबा महोत्सव मनेबाक पर भेल तैयारी !
आगमी कार्यक्रम सामा- चकेबा महोत्सव मनेबाक एकटा विस्तृत कार्य योजना तैयार कयल गेल। जाहि मे आगामी सामा-चकवा विसर्जन कार्यक्रम के समीक्षा कैल गेल । आजुक आयोजन मे अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, बद्रीनाथ झा, राज कुमार मिश्र, कौशल किशोर झा, रणधीर झा, भारतेंदु कुमार झा, मकर चौधरी, आत्मेश्वर झा, ब्रज कुमार झा, प्रेम चंद्र झा, नरेश झा, आदिनाथ मिश्र, संतोष कार्यक्रम में कुमार झा, सतीश कुमार मिश्र, नारायण तिवारी, सहित अनेक सदस्य उपस्थित छला |

