spot_img
Saturday, March 21, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिविशेष गहन पुनरीक्षण (एसआईआर - SIR ) हेतु झारखण्ड राज्य भ' रहल...

विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआईआर – SIR ) हेतु झारखण्ड राज्य भ’ रहल अछि सज्ज !

-

लहरि रूम (रांची) : बिहार राज्य मे मतदाता सूची के विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआईआर) केँ कार्य सम्पन्न भेला उपरांत चुनाव आयोग अहि प्रक्रिया मे तेजी आनलक अछि। ओना झारखण्ड राज्य मे मतदाता सूची के विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआईआर) हेतु चुनाव आयोग द्वारा करबाक कोनो आधिकारिक घोषणा नहि भेल अछि मुदा अहि ठामक चुनाव आयोग के कार्यालय द्वारा स्वतः संज्ञान लैत कार्य सांकेतिक रूप मे प्रारम्भ भ’ चुकल अछि। प्रत्येक जिला के घर – घर , मुहल्ला जा – जा क’ BLO मतदाताक नाम जोड़बाक संग सुधारबाक कार्य मे लागि गेल छथि। अहि सँ समय रहैत BLO प्रशिक्षित सेहो भ’ रहला अछि। सूत्र सँ जानकारी प्राप्त भ’ रहल अछि जे अखन 2003 सँ मतदाता सूचि के आधार मानि ओकरा ठीक करबाक कार्य पर चुनाव आयोग लागल अछि।

मतदाता सूची के विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआईआर) के काज देश के 12 राज्य मे चलि रहल अछि। भारतीय निर्वाचन आयोग सोमदिन जानकारी देलक जे करीब 20 दिन मे एसआईआर प्रक्रिया के तहत 99.07 प्रतिशतमतदाता विशिष्ट गणना प्रपत्र के वितरण पूर्ण भ’ गेल अछि। चुनाव आयोग के अनुसार मतदाता विशिष्ट गणना प्रपत्र के शत-प्रतिशत वितरण पहिने गोवा आ लक्षद्वीप मे भेल अछि। एखन धरि अंडमान आ निकोबार मे 99.98 प्रतिशत, मध्य प्रदेश मे 99.83 प्रतिशत, पश्चिम बंगाल मे 99.75 प्रतिशत आ गुजरात मे 99.69 प्रतिशत काउंट फॉर्म वितरित भ’ चुकल अछि। रविदिन के तुलना मे पश्चिम बंगाल आओर अंडमान आओर निकोबार के आंकड़ा मे कोनो बदलाव नहिं अछि। जाहि 12 राज्य आओर केंद्र शासित प्रदेश मे एसआईआर प्रक्रिया चलि रहल अछि ओहि मे अंडमान – निकोबार, छत्तीसगढ़, गोवा, गुजरात, केरल, लक्षद्वीप, मध्य प्रदेश, पुडुचेरी, राजस्थान, तमिलनाडु, उत्तर प्रदेश आओर पश्चिम बंगाल सम्मलित अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts