लहरि रूम (पटना ) : मिथिला केँ हृदय स्थली दरभंगा जिला केर अथार ग्राम मे विश्वम्भर फाउण्डेशन के द्वारा पर्री ग्राम के पूर्व मुखिया धीरेन्द्र कुमार चौधरी जी अध्यक्षता मे भव्य आयोजन कयल गेल। कार्यक्रमक शुभारम्भ स्वस्ति वाचन सं प्रारम्भ भेल। एहि कार्यक्रम के मुख्य अतिथि बिहार संस्कृत बोर्ड के चेयरमैन मृत्युंजय झा आ विशिष्ट अथिति गौरा- बौराम केँ नव निर्वाचित विधायक सुजीत कुमार सिंह जी छला। संगहि संघ परिवार सं रविशंकर जी संग रूद्र नारायण मंडल जी उपस्थित छला। फाउण्डेशन के सचिव नवीन कुमार झा, सदस्य राजेश कुमार झा संग अथार ग्राम के पूर्व मुखिया सुमंत कुमार झा, पर्री के पूर्व सरपंच अच्युतानंद नन्द ठाकुर के संग अनेको समाज के गणमान्य लोकनि द्वारा मंचासीन अतिथि लोकनि केँ अभिनंदन कयल गेल।

संस्कृत केँ बिहार मे पुनः प्रतिष्ठित करबाक प्रतिबद्धता केँ बात मृत्युंञ्जय झा राखलनि। नव निर्वाचित विधायक सुजीत कुमार सिंह समाज के प्रति सेवा आ समर्पित भाव सं काज करबाक हेतु प्रतिबद्ध रहबाक बात सुजीत कुमार सिंह केलनि। विश्वम्भर फॉउंडेशन के बारे मे सम्पूर्ण जानकारी एवं ओकर क्रिया कलाप के जानकारी लहरी मीडिया के संपादक किशोर झा द्वारा प्रस्तुत कयल गेल।

दोसर चरण मे रंग मंच के कलाकार राम सेवक ठाकुर , गायक कलाकार ऋषभ भारद्वाज के द्वारा सांस्कृतिक एवं रंगारंग कार्यक्रम के प्रस्तुति कयल गेल। जाहि के आनंद हजारो के संख्या मे आयल श्रोता बंधु लोकनि उठौलनि।कार्यक्रम के समापन फाउण्डेशन के द्वारा व्यवस्थित भोज सँ भेल। जेकर आनंद उपस्थित श्रोता बंधु लोकनि उठौलनि।

