spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिविश्वम्भर फाउंडेशन के रांची मे वार्षिक पंचांग केँ भेल लोकर्पण , अतिथि...

विश्वम्भर फाउंडेशन के रांची मे वार्षिक पंचांग केँ भेल लोकर्पण , अतिथि सब फाउण्डेशन केँ संस्कृति के वाहक के रूप कहि प्रशंसा केलनि

-

लहरि रूम (रांची) : रविदिन विश्वम्भर फाउंडेशन के तत्वावधान मे वार्षिक पंचांग आ कैलेंडर 2026 केर लोकार्पण । फाउंडेशन केर कार्यकारिणी के सदस्य अमरनाथ झा द्वारा अतिथि लोकनि के स्वागत करैत फाउण्डेशन केर क्रिया कलाप आ समाजिक भूमिका पर अपन वक्तव्य देलनि । बसंत बिहार हरमू मे स्थित भगवती एम्पायर के प्रांगण मे आयोजित विमोचन कार्यक्रम मे बिहार विधान सभा के पूर्व अधिकारी आ समाजसेवी अयोध्यानाथ मिश्र ने पंचांग केँ अति विशिष्ट कहलनि । ओ कहलनि जे विश्वम्भर फाउंडेशन बहुत रास रचनात्मक गतिविधि करैत अछि। शिक्षा, स्वास्थ्य, वृक्षारोपण, आ साहित्य के बढ़ावा देबय के एकर प्रयास सराहनीय अछि। बहुतो के पास धन भ सकैत अछि, मुदा समाज के उत्थान में योगदान देबय के भावना, जेकर प्रदर्शन फाउंडेशन आ ओकर सचिव नवीन कुमार झा केने छथि, ओ सराहनीय अछि. श्री मिश्र कहलनि जे ई मात्र कैलेंडर लोकार्पण नहिं अछि, पंचांग अपन समृद्ध अतीतक बारे मे सेहो कहैत अछि। काल पर विजयी केँ बोध करा रहल अछि । एहि अनंत ब्रह्माण्ड मे भविष्यक गणनाक विधि, जकर प्रदर्शन एहि पंचांगक माध्यमे कयल गेल अछि, हमरा लोकनि केँ अपन समृद्ध अतीत सँ सेहो परिचय कराबैत अछि आ हमर संस्कृतिक उदय-पतन केँ दर्शाबैत अछि | ओ एहि बात पर जोर देलनि जे बाबा विद्यापतिक एहन पंचांग आ प्रतीक प्रत्येक घर मे निश्चित रूप सँ उपस्थित हेबाक चाही । फाउंडेशन के लोकार्पण आयोजन के शुरुआत “जय जय भैरवी” गीत सँ भेल। बाल कलाकार आरुणि सांडलिय अपन स्वागत गीत सँ पाहुन लोकनि केँ मंत्रमुग्ध कयलनि देलक। गायक यतीन्द्र नाथ दास आ अश्वनी झा सेहो अपन प्रतिभा सँ मनोरंजन कयलनि ।

प्रभास चंद्र मिश्र, दयानंद कुंवर, डॉ. विजय कुमार दास, सुशील कुमार मिश्र, श्रीकांत झा, बिनोदानंद झा,संतोष मिश्र , भवानन्द झा , काशी नाथ झा , बाबूलाल झा, राधेश्याम यादव, कुमुद झा, इंद्रजीत यादव, प्रदीप चौधरी, विद्यानंद ठाकुर, अरुण कुमार मिश्र, बिलात पोद्दार, अभिलाषा चौधरी, शेखर कुमार झा आ गणमान्य लोकनि केँ उपस्थिति मे कार्यक्रम संपन्न भेल | कौशल झा मंच संचालन केलनि, आ धन्यवाद ज्ञापन भुवन किशोर झा केलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts