spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबिहार मे बंद सबटा चीनी मिल केँ फेर सँ प्रारम्भ कराओल जाएत...

बिहार मे बंद सबटा चीनी मिल केँ फेर सँ प्रारम्भ कराओल जाएत संगहि रोजगार केँ भेटत अवसर : सम्राट चौधरी !

-

बिहार मे लागत सेमीकंडक्टर बनेबाक प्लांट !

लहरि रूम (पटना) : बिहार राज्य केर उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी समृद्धि यात्रा के मेला मे छपरा आयल छलाह | एहि क्रम मे अपन वक्तव्य मे कहला जे बिहार आब शिक्षा, स्वास्थ्य, सड़क, आ बिजली तक सीमित नहि अछि। उद्योग आ रोजगार क क्षेत्र मे राज्य तेजी सँ आगू बढ़ि रहल अछि। उद्योगक कें पैघ पैमाना पर नेटवर्क स्थापित कैल जा रहल छै, ताकि युवाक कें रोजगार कें लेल दोसर राज्य मे नहि जाय पड़य।बिहार के उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी एकटा पैघ घोषणा केलनि अछि। ओ कहला जे बिहार मे बंद सबटा चीनी मिल केँ फेर सँ प्रारम्भ कैल जाएत। एहि सँ किसान, मजदूर, आ स्थानीय युवा के सीधा फायदा होयत। सरकार केँ स्पष्ट उद्देश्य बिहार क भीतर रोजगार देब आ पलायन रोकब अछि।

बिहार सरकार एक रुपैया मे जमीन उपलब्ध करा रहल अछि !
ओ कहलनि जे, सरकार के प्राथमिकता युवा के भविष्य अछि। बिहार देश मे सबस नीक औद्योगिक नीति लागू केलक अछि। निवेशक कें आकर्षित करबा लेल सरकार एक टका मे जमीन उपलब्ध करा रहल अछि। संगहि 15 दिनक भीतर लोन केँ मंजूरी देबाक व्यवस्था सेहो बनाउल गेल अछि। एहि नीतिक असरि कें कारण आब बिहार मे सेमीकंडक्टर बनेबाक जेहन अत्याधुनिक कारखाना सेहो लगाओल जा रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts