spot_img
Thursday, February 5, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिजनता के हाथ फैसला, किनकर माथ पर सजति ताज - वार्ड 34,...

जनता के हाथ फैसला, किनकर माथ पर सजति ताज – वार्ड 34, रांची नगर निगम

-

लहरि रूम (रांची) : सम्पूर्ण झारखण्ड मे निगम चुनाव के तिथि के घोषणा भ’ चुकल अछि। रांची नगर निगम क्षेत्र मे नामांकन के प्रक्रिया प्रारम्भ भ’ चुकल अछि। रांची मे 53 वार्ड अछि। एहि मे सब सँ रोचक वार्ड 34 बनि गेल अछि। वार्ड 34 मे 25 टा बेसी प्रत्याशी लोकनि अपन भाग्य आजमा रहला अछि। मैथिल अभियानी सह वार्ड 26 के निर्वतमान पार्षद अरुण कुमार झा वार्ड 34 सँ अपन दावेदारी प्रस्तुत कयने छथि। पूर्व निवर्तमान पार्षद बिनोद सिंह चुकी एहि वार्ड सँ पार्षद छला ताहि हेतु हुनक त’ आधिकारिक अभिव्यक्ति छनि। बहुचर्चित नाम ओम प्रकाश सेहो एहि वार्ड सँ अहि अपन भाग्य आजमा रहला अछि। नव युवा कुमार बबलू सेहो अपन दावेदारी प्रस्तुत क’ रहला अछि।

अतेक प्रत्याशी होयबाक कारण मात्र एकेटा अछि, वार्ड 34 के सामान्य क’ देल गेल अछि। जाहि सँ सब प्रत्याशी अपन अपन भाग्य आजमा रहला अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts