
लहरि रूम (रांची) : रांची जिला के हरमू क्षेत्र स्थित श्री शिव शक्ति त्रिलोकेश्वर धाम मंदिर मे चैत नव रात्रि मे कलश स्थापना कयल गेल अछि। एहि मंदिर मे भगवान भोले नाथ संग माँ जगदम्बा केँ भव्य प्राण प्रतिष्ठित प्रतिमा स्थापित अछि। प्रत्येक वर्ष आश्विन नवरात्र आ चैत्र नवरात्र केँ कलश स्थापित होइत अछि।

एहि वर्ष चैत नवरात्र केँ अष्टमी तिथि क’ माँ जगदम्बा केँ पूजन आ आरती केँ उपरांत छोट -छोट भगवती स्वरूपा कुमाइर भगवती कें आमंत्रित क’ पूजन कयल गेल। पूजनो उपरांत सब भगवती आ बटुक कें विधिवत भोजन कराओल गेल। भोजन मे शुद्ध दूध मे बनल खीर, फल आओर मधुर मिष्ठान परोसल गेल। सब कुमाइर आ बटुक केँ भोजन उपरांत खोइछ देल गेल। श्री शिव शक्ति मंदिर त्रिलोकेश्वर धाम मे नवमी दिन हवन आओर श्री राम नवमी के अवसर पर शोभा यात्रा केँ आयोजन सँ चैत्र नवरात्रा केँ होयत समापन।

