spot_img
Friday, April 3, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड राज्य मे मैथिली भाषा कें सम्मान हेतु पुनः अग्रसर भेल मैथिली...

झारखण्ड राज्य मे मैथिली भाषा कें सम्मान हेतु पुनः अग्रसर भेल मैथिली भाषा संघर्ष समिति

-

लहरि रूम (रांची) : झारखंड सरकार के स्कूल शिक्षा एवं साक्षरता विभाग द्वारा मैथिली के जेटेट परीक्षा नियमावली सँ बाहर करला पर मैथिली भाषा- भाषी मे व्यापक आक्रोशअछि । मैथिली भारतक अष्टम अनुसूची मे सम्मलित अछि आ झारखण्डक द्वितीय राज्य भाषा सेहो अछि । एहि भाषा केँ बजनिहार रांची, टाटा, बोकारो, आ धनवाद सहित सम्पूर्ण संथाल मे प्रवासी आ स्थायी निवासी केँ रूप मे छथि | मैथिली भाषा संघर्ष समिति राज्य के सब मैथिल संस्था सँ भेंट क कार्य योजना बनौलक अछि। आइ सब जिला के प्रतिनिधि के संग वर्चुअल बैसार मे चर्चा भेल, आ निर्णय लेल गेल जे सब संस्था एक संग आबि अपन मांग सरकार के सामने राखत। एकर बाद आन्दोलनक योजना बनत। एहि योजनाक सम्पूर्ण जानकारी मैथिली भाषा संघर्ष समिति, झारखण्ड प्रदेश के संयोजक अमरनाथ झा देलनि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts