
लहरि रूम (रांची) : झारखंड मैथिली मंच,रांची के तत्वाधान मे त्रिदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के आयोजन होमय जा रहल अछि। एहि आयोजन मे रांची मे रहनिहार प्रवासी आ स्थायी मैथिल संग झारखण्ड आ मिथिला सं समस्त मैथिलक जुटान होयत। 10 अप्रैल सँ 12 अप्रैल तक हरमू, रांची मिथिलामय रहत। विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के आयोजक शुभआरम्भ 10 अप्रैल क. विद्यापति चौक रांची पर स्थापित बाबा विद्यापति जी के प्रतिमा पर माल्यार्पण सँ होयत। 10 अप्रैल क’ दिन मे 11 बजे संग साहित्यिक आयोजन हरमू स्थित विद्यापति दलान होयत। जाहि मे सहित्यिक परिचर्चा, गोष्ठी संग कवि सम्मलेन होयत। 11 अप्रैल क’ संध्या काल 6 बजे सँ सांस्कृतिक कार्यक्रमक शुभारम्भ हरमू के ऐतिहासिक मैदान मे होयत। 12 अप्रैल क’ सेहो सांस्कृतिक आयोजन होयत। एहि सांस्कृतिक आयोजन सँ पुनः मिथिला के संस्कृति आ सांस्कृतिक दर्शन रांची के हरमू मैदान मे जीवंत रूप मे होयत।

एहि कार्यक्रम के सफल बनेबाक हेतु सोशल मीडिया, प्रिंट मीडिया एवं इलेक्ट्रॉनिक मीडिया सह सम्पर्क कS क’ सबके कार्यक्रम मे उपस्थित हेबाक हकार स्वरुप आमंत्रण देल जा रहल अछि।

