spot_img
Thursday, April 9, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिघर -घर हकार देबाक हेतु झारखण्ड मैथिली मंच केर प्रचार रथ रवाना

घर -घर हकार देबाक हेतु झारखण्ड मैथिली मंच केर प्रचार रथ रवाना

-

लहरि रूम (रांची) : दिनाँक 8 अप्रैल 2026 बुध दिन झारखंड मैथिली मंच,रांची के तत्वावधान मे अन्य प्रचार साधन के अतिरिक्त 10, 11, आ 12 अप्रैल, 2026 के त्रिदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे मैथिली भाषी आ मैथिली प्रेमी के बेसी सँ बेसी सहभागिता सुनिश्चित होइन ताहि हेतु प्रत्येक वर्ष कें भांति रांची मे रहनिहार मिथिलावासी लोकनि के हकार देबाक लेल सदस्य लोकनि के द्वारा आकर्षक प्रचार रथ हरमू मैदान सँ प्रस्थान कराओल गेल अछि । तीन-चारि दिन धरि रांची नगर निगम क्षेत्रक हर कोन मे इ प्रचार रथ यात्रा करत, हकार दैत कार्यक्रमक जानकारी मैथिल लोकनि के देत । एहि अवसर पर अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र आ संगरक्षक अरुण कुमार झाक संग पैघ संख्या मे सदस्य उपस्थित छलाह ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts