
लहरि रूम (रांची ) : पश्चिम बंगाल केँ चुनाव मे झालमुढ़ी कतेक कमाल केने छल से ककरो सँ नोकायल कहाँ अछि। ममता बनर्जी केर सरकार झाल लागि गेलनि आ सबटा मुढ़ी भारतीय जनता पार्टी खा गेल। परिणाम स्वरुप भारतीय जनता पार्टी केर सरकार बनल आ सुवेंदु अधिकारी मुख्यमंत्री बनि गेला। मुख्यमंत्री बनला उपरांत सुवेंदु अधिकारी ताबड़ तोड़ बैटिंग क’ रहला अछि। मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे अहि क्रम पश्चिम बंगाल केर मुख्यमंत्री सुवेन्दु अधिकारी आइ 26 मई 2026 मंगल दिन क’ कल्याणी मे कल्याणकारी आ नियामक उपाय घोषणा कयलनि , जाहि मे शैक्षणिक संस्थान आ मंदिर के एक किलोमीटर के दायरा मे शराब के दुकान पर प्रतिबंध, महिला सभहक लेल मासिक आर्थिक सहायता योजना, आ राज्य भरि मे सब्सिडी दर पर माँछ-भात भोजन व्यवस्था होइ से सम्मलित अछि । मुख्यमंत्री अधिकारी कहलनि जे, स्कूल, कॉलेज, मंदिर सँ एक किलोमीटर के दायरा मे शराब के दोकान नहि खुलय देल जाएत। एकटा आओर महत्वपूर्ण घोषणा मे ओ कहला जे राज्य सरकार 27 मई सँ “अन्नपूर्णा योजना” लेल आवेदन पत्र जारी करब शुरू करत, जाहि केर अंतर्गत पात्र महिला केँ प्रति माह तीन हजार टकाक आर्थिक सहायता भेटत।

माँछ- भात लेल 400 विशेष कैंटीन खोलल जायत !
मुख्यमंत्री सुवेंदु अधिकारी पूरा बंगाल मे सब्सिडी वाला कैंटीन शुरू करय के घोषणा सेहो कयलनि , जतय 5 टका मे माँछ-भात के भोजन भेटत। एहि योजना केर पूर्ण करबाक लेल 400 विशेष कैंटीन केर स्थापना होयत जतय लोक सभहक लेल सस्ता भोजन केर उपलब्धता रहत।

