spot_img
Thursday, June 18, 2026
spot_img
Homeब्लॉगझारखण्ड राज्य सभा चुनाव : हाई वोल्टेज ड्रामा भेल समाप्त बैद्यनाथ राम...

झारखण्ड राज्य सभा चुनाव : हाई वोल्टेज ड्रामा भेल समाप्त बैद्यनाथ राम आओर परिमल नाथवाणी बनला राज्यसभा सांसद

-

लहरि रूम(रांची) : आइ दिनांक 18 जून क’ राज्य सभा लेल प्रत्येक राज्य मे राज्यसभा केर सांसद हेतु चुनाव होइत छल। वांछित राज्य सब मे चुनाव होइत छल। सम्पूर्ण उत्तर भारत मे सब राजनीतिक लोकनिक नजरि झारखण्ड राज्य केर राज्यसभा चुनाव पर छल । एहि राज्य मे राज्यसभा हेतु दू टा सीट अछि। दू सीट हेतु तीन प्रत्याशी चुनावी मैदान मे छला । झारखण्ड मुक्ति मोर्चा केर बैद्यनाथ राम, कांग्रेस प्रत्याशी प्रणव झा आओर निर्दलीय प्रत्याशी परिमल नाथवानी। झारखण्ड मुक्ति मोर्चा केर बैजनाथ राम अपन पार्टी केर विधायक केर समर्थन के कारण सँ चुनाव जीत चुकल छथि। मुख्य मामला कांग्रेस समर्थित प्रणव झा आओर निर्दलीय प्रत्याशी परिमल नाथवानी जी केर बिच चलि रहल छल। परिमल नाथवाणी जी केर NDA केर समर्थन छल। प्रथम चरण मे NDA केर 24 टा विधायक आबि अपन मतदान परिमल नाथवाणी जी केर पक्ष मे केलनि।

हाई वोल्टेज ड्रामा केर बिच परिमल नाथवाणी जी भेला विजयी
चुनाव समाप्त भेला उपरांत काउंटिंग के बीच मीडिया केर बीच मे खबरि आयल जे परिमल नाथवाणी जी केर कुल 30 मत भेटलनि जाहि मे 2 टा इनवैलिड मत हुनका पक्ष मे परल छनि। कुल 3 टा मत इनवैलिड भेल। मुदा एकटा मत केकरा पक्ष मे इनवैलिड भेल से खबरि विधानसभा सँ बाहर नहि आयल। किछु देर बाद समाचार प्राप्त भेल जे झारखण्ड मुक्ति मोर्चा केर बैजनाथ राम आओर NDA समर्थित निर्दलीय उम्मीदवार परिमल नाथवाणी चुनाव जीत चुकला अछि। झामुमो नेता बैद्यनाथ राम केँ 31टा मत भेटल, जखन कि भाजपा समर्थित परिमल नाथवानी केर 28 वोट प्राप्त भेल ।हुनकर पक्ष मे देल गेल दूटा वोट अमान्य घोषित भ’ गेल। कांग्रेस केर पक्षधर प्रणव झा केँ 21टा मत प्राप्त भेलनि आ हुनक सेहो एकटा वोट रद्द भ’ गेलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts