spot_img
Monday, October 26, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची द्वारा 'कोजागरा' पाबनिक भेल भव्य आयोजन !

बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची द्वारा ‘कोजागरा’ पाबनिक भेल भव्य आयोजन !

-

लहरि रूम (रांची) :बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केर तत्वावधान मे आइ शरद पूर्णिमा के दिन रांची के कचहरी चौक स्थित कार्यालय मे कोजागरा पर्वक आयोजन कयल गेल। समिति के सदस्य लोकनिक द्वारा संध्या काल कार्यालय मे माँ लक्ष्मी के चित्र पर पुष्पाजंलि अर्पित क’ भगवतीक आराधना कयल गेल। भगवती कें प्रसाद स्वरुप पान, मखान, खाजा, लड्डू इत्यादि भोग लगाओल गेल। समस्त सदस्य लोकनिक दही, चुरा, लड्डू,खाजा आ अचारक भोजक आयोजन कयल गेल। प्रसाद स्वरुप आगंतुक अतिथि लोकनिक आ सदस्य लोकनिक बीच पान, मखान आओर लड्डू वितरण कयल गेल। सम्पूर्ण कार्यक्रम समिति केर अध्यक्ष जयंत झा जिक अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts