spot_img
Friday, November 20, 2026
spot_img
Homeटटका खबरियात्रा (सफर) लोक गायिका सँ मैथिली-भोजपुरी अकादमी (नई दिल्ली) केर सदस्य रूप...

यात्रा (सफर) लोक गायिका सँ मैथिली-भोजपुरी अकादमी (नई दिल्ली) केर सदस्य रूप मे – अंजु कुमारी झा (अंजना आर्या)

-

लहरि रूम( नई दिल्ली) : मैथिली- भोजपुरी अकादमी (नई दिल्ली) केर नव समिती केर घोषणा दिनांक 18 नवंबर 2026 क’ भेल जाहि सरकार केर प्रतिनिधी लोकनिक संग अनेक लोक सम्मलित भेला अछि। जखन सदस्य लोकनिक सूचि केर अवलोकन ‘लहरि’ केर टीम करैत छल ताहि मे एकटा नाम आयल अंजू कुमारी झा ‘अंजना आर्या’ ।

अंजू कुमारी झा वर्तमान मे लहरि मीडिया परिवार केँ सदस्या छथि। मैथिली लोक गीत संग भोजपुरी लोकगीत आ पार्श्व गायकी मे काज करैत ‘खाटू श्याम महराज के भजन मे अंजू कुमारी झा अपन स्थान बनौने छथि। बिहार, झारखण्ड, बंगाल, उत्तरप्रदेश संग सम्पूर्ण भारत मे स्थापित संस्था पर अंजू कुमारी झा केर प्रस्तुति भेल अछि आ एक सधल गायिका केँ रूप मे स्थापित छथि। खाटू श्याम जगत आओर भोजपुरी लोक गीत गायिकी मे अंजू कुमारी झा अपन उपनाम अंजना आर्या केर रूप प्रसिद्ध छथि। मूलतः अंजू कुमारी झा बिहार राज्य केँ मिथिलाक मधुबनी जिला केर रहुआ संग्राम केर निवासी छथि। निजी जीवन मे अंजू कुमारी झा नारी संघर्षक एकटा अद्भुत उदाहरण छथि। अपन मान- प्रतिष्ठा केँ सम्भारैत आइ मैथिली-भोजपुरी अकादमी मे सम्मलित भेनाइ कोनो पैघ उपलब्धि सँ कम नहि अछि। समस्त लहरि मीडिया परिवार केर तरफ सँ अंजू कुमारी झा ‘अंजना आर्या’ केर बहुत – बहुत बधाई संग उज्जवल भविष्य केर शुभकामना।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts