नई दिल्ली : एडीआर द्वारा लोकसभा 2019 केँ 543 मे सँ 514 वर्त्तमान सांसद पर एकटा रिपोर्ट प्रकाशित कयल गेल अछि। रिपोर्ट केँ अनुसार 44 प्रतिशत वर्तमान सांसद केँ विरुद्ध आपराधिक मामला दर्ज अछि। 9 सांसद अपना ऊपर हत्या सँ जुड़ल मामला सेहो घोषणा पत्र मे घोषणा कयने छथि। 29 % सांसद केँ विरोध मे गंभीर आपराधिक मामला दर्ज छनि। वर्त्तमान मे 25 अरबपति सांसद सेहो छथि।
की छैक एडीआर रिपोर्ट ?
एडीआर (एसोसिएशन फॉर डेमोक्रेटिक रिफॉर्म्स ) संस्था अछि। जे लोकसभा 2019 केँ 543 मे सँ 514 वर्तमान सांसद केँ अर्पित शपथ पत्र केँ आधार मानि रिपोर्ट तैयार कयलक अछि।
पार्टी आधारित दागी सांसद
भाजपा केँ सबसँ बेसी 294 मे सँ 118 (40%) वर्त्तमान सांसद केँ ऊपर आपराधिक मामला घोषित छनि। कांग्रेस केँ 46 मे सँ 26 (57 %), डीएमके केँ 24 मे सँ 11 (46%), टीमसी केँ 19 मे सँ 8 (42%) जदयू केँ 16 मे सँ 12 (75%) एवं वाईएसआर कांग्रेस केँ 17 मे सँ 8 (47%) सांसद छथि।
गंभीर आपराधिक मामला मे वर्तमान सांसद सेहो सबसँ बेसी भाजपा केँ 294 मे सँ 87 (30%) छथि । एहि केँ बाद कांग्रेस केँ 46 मे सँ 14 (30 %), डीएमके केँ 24 मे सँ 7 (29 %), टीएमसी के 19 मे सँ 4 (21 %), जदयू के 16 मे सँ 8 (50%) आओर वाईएसआर कांग्रेस के 17 मे सँ 7 (41 %) सांसद अपन घोषणा पत्र मे आपराधिक मामला केँ घोषित कयने छथि।
अपन घोषणा पत्र मे 9 वर्तमान सांसद अपन ऊपर हत्या सँ जुड़ल मामला केँ घोषणा कयने छथि। जाहि मे 5 वर्तमान सांसद भाजपा केँ आओर कांग्रेस, बसपा, वाईएसआर कांग्रेस एवं निर्दलीय सँ एक-एक सांसद छथि। 28 सांसद केँ ऊपर हत्या केँ प्रयास सँ जुड़ल मामला केँ घोषणा कयल गेल अछि। 16 वर्तमान सांसद केँ ऊपर महिला केँ ऊपर अत्याचार केँ मामला घोषित कयल गेल अछि। 16 मे सँ 3 वर्तमान सांसद केँ उपर दुष्कर्म (आईपीसी-376) जुड़ल मामला केँ घोषणा अछि।
सम्पति केँ घोषणा
514 सांसद मे सँ 25 सांसद लग 100 करोड़ सँ अधिक सम्पति केँ घोषणा केने छथि। जाहि मे 294 भाजपा केँ सांसद मे सँ 9 अरबपति सांसद भाजपा मे छथि। एहि केँ बाद कांग्रेस, वाईएसआर, बीआरएस, शिरोमणि अकाली दल केँ दू- दू सांसद छथि। ओकर बाद डीएमके, टीएमसी, शिवसेना, टीडीपी, बीजेडी, बसपा, एनसीपी (शरद गुट) आओर निर्दलीय सँ एक-एक सांसद अरबपति छथि। छिंदवाड़ा सँ कांग्रेस केँ नकुलनाथ सबसँ ज्यादा संपत्ति घोषित करय वला सांसद छथि । नकुल द्वारा 660 करोड़ केँ संपत्ति घोषणा पत्र मे बताओल गेल अछि ।
कतेक शिक्षित छथि सांसद लोकनि
122 ( 24%) वर्तमान सांसद अपन शैक्षिक योग्यता 5वीं सँ 12 वीं केँ बीच घोषित कयने छथि। 375 (73%) वर्तमान सांसद अपन शैक्षिक योग्यता स्नातक आओर ओहि सँ बेसी राखि घोषणा कयने छथि। एक सांसद अपन शैक्षिक योग्यता साक्षर , एक सांसद अपन शैक्षिक योग्यता असाक्षर आओर 15 सांसद अपन शैक्षिक योग्यता डिप्लोमा धारक घोषित कयने छथि।
Trending Now
