लहरि रूम : राजधानी राँची संग सम्पूर्ण झारखण्ड मे ड्रग्स केँ खरीद- बिक्रीक मामला कें झारखण्ड हाई कोर्ट गंभीरता सँ संज्ञान लेलक अछि। 2 अप्रैल, आई न्यायमूर्ति सुजीत नारायण प्रसाद केँ अध्यक्षता वला खंडपीठ स्वतः संज्ञान लेलक। एहि क्रम मे कोर्ट ड्रग्स कारोबारी केँ विरूद्ध राँची एसएसपी केँ कार्रवाई करबाक निर्देश देलक अछि। खंडपीठ कहलनि जें ड्रग्स केँ कारोबारी केँ चिन्हित क’ जल्द सँ जल्द गिरफ्तारी कयल जाय आओर नशा कारोबारी सभहक़ गिरफ्तारी सँ संबधित रिपोर्ट कोर्ट मे प्रस्तुत करैथ।

