पटना : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ जमुई यात्रा सँ पहिने पूर्व मंत्री सहित बहुत नेता चिराग पासवान पर लोकसभा केँ टिकट बेचै के आरोप लगाबैत हुनक पार्टी छोड़ी देलनि । लोक जनशक्ति पार्टी केँ पांच सीट मिलल छल। तीन गोटे पर बेचबाक आरोप लगाओल जा रहल अछि।
एक सप्ताह पहिने लोक जनशक्ति पार्टी केँ नेता आओर एनडीए केँ पूर्व सांसद अरुण कुमार चिराग पासवान पर धोखाधड़ी केँ आरोप लगाबैत पार्टी सँ अलग भ’ गेलाह। आओर आब राज्य संगठन मंत्री इंजीनियर रविंद्र सिंह सहित एहि पार्टी केँ दर्जन भर नेता पार्टी केँ विदाई द’ चुकल छथि। हुनकर आरोप अछि जे चिराग पासवान एहि टिकट केँ करोड़ों टका मे बेचि देलथि ।
पत्रकार सम्मेलन मे देलनि पार्टी सँ इस्तीफा
लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) केँ प्रदेश संगठन मंत्री अभियंता रविन्द्र सिंह पत्रकार सम्मेलन मे ई जानकारी देलनि, ओ कहलनि जे, सम्मेलन केँ दौरान पार्टी के दर्जनों नेता आई सामूहिक इस्तीफा देलनि अछि। इस्तीफा देबय वाला मे पार्टी केँ पूर्व मंत्री आओर राष्ट्रीय उपाध्यक्ष रेणु कुशवाहा, पूर्व विधायक आओर राष्ट्रीय महासचिव सतीश कुमार, संगठन सचिव इंजीनियर रविंद्र सिंह, उपाध्यक्ष संजय सिंह सहित दर्जनों नेता सम्मलित छथि।