spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिN. I. A(केंद्रीय जांच एजेंसी) टीम पर हमला : पश्चिम बंगाल

N. I. A(केंद्रीय जांच एजेंसी) टीम पर हमला : पश्चिम बंगाल

-

मेदिनीपुर (बंगाल ) : पश्चिम बंगाल मे केंद्रीय जांच एजेंसी पर हमला बंद हेबाक कोनो संकेत नहि देखा रहल अछि। संदेशखाली मे ईडी टीम के निशाना बनेला केँ बाद आब एनआईए पर हमला केँ खबरि आबि रहल अछि। सूत्रक अनुसार आब पूर्वी मेदिनीपुर केँ भूपतिनगर मे केंद्रीय एजेंसी एनआईए केँ टीम पर हमला कयल गेल अछि । कलकत्ता हाईकोर्ट केँ निर्देशक अनुसार शनिदिन एनआईए केँ टीम जांच करय लेल गेल छल। आरोप अछि जे जांचकर्ता केँ गाड़ी तोड़फोड़ कायल गेलआओर जाँच टीम केँ दू गोटे केँ चोट लागल छनि। एनआईए केँ टीम शनिदिन भोर मे तृणमूल कांग्रेस केँ नवका नेता के घर पर साल 2022 मे भेल बम विस्फोट केँ जांच करय लेल पहुंचल छल। जखन एनआईए केँ अधिकारी दुनू आरोपी केँ पकड़ि क’ संग ल’ जेबाक प्रक्रिया प्रारम्भ कयलक त’ ओहि ठाम करीब 150 ग्रामीण केँ भीड़ जमा भ’ गेल आ एनआईए केँ अधिकारी सब रोकय केँ प्रयास केलक आ गाड़ी पर पथराव केलक।
ई घटना शनिदिन भोर साढ़े पाँच बजे केँ लगभग भेल अछि। एनआईए केँ टीम सेहो केंद्रीय सुरक्षा बल संग ल’ गेल छल। हुनकर सहयोग सँ एनआईए क’ टीम गिरफ्तार आरोपीक संग कोलकाता लेल रवाना भ’ गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts