spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिएहि बेर देश मे सामान्य सँ बेसि बरखा के संभावना अछि :...

एहि बेर देश मे सामान्य सँ बेसि बरखा के संभावना अछि : भारत मौसम विभाग (आईएमडी)

-

नई दिल्ली : भारत मौसम विभाग (आईएमडी) अपन पूर्वानुमान मे कहलक अछि जे एहि साल बरखा ऋतु मे सम्पूर्ण देश मे सामान्य सँ बेसि बरखा केँ संभावना अछि।आईएमडी केँ प्रमुख मृत्युंजय महापात्र प्रेस कॉन्फ्रेंस मे कहलनि जे कि देश भरि मे 2024 केँ दक्षिण-पश्चिम मानसून के तहत 1 जून सन ३० सितंबर केँ मध्य मानसून केँ मौसमी बरखा केँ लम्बा अवधि औसत सँ 106 प्रतिशत होय के संभावना अछि । ओ कहला जे अगर मौसमी वर्षा क’ दीर्घकालीन औसतसँ 96 प्रतिशत सँ 104 प्रतिशत क’ मध्य बरखा अछि त’ इ सामान्य अछि। आईएमडी प्रमुख कहलनि जे, 106 प्रतिशत वर्षा सामान्य सँ ऊपर क’ श्रेणी मे होइत अछि आ जौं वर्षा लंबा अवधि क’ औसत केँ 105 प्रतिशत सँ 110 प्रतिशत केँ मध्य अछि त’ ओकरा सामान्य सँ ऊपर मानल जाइत अछि। महापात्र कहलनि जे, देश भरि मे मौसमी वर्षा केँ दीर्घकालीन औसत 87 सेमी अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts